Monday, August 29, 2011

प्रधानमन्त्री भट्टराई आ गृहमन्त्री गच्छदारद्धारा शपथ ग्रहण


१२ भादौ, काठमाडौँ ।
नवनिर्वाचित प्रधानमन्त्री डाक्टर बाबुराम भट्टराई आइ शपथग्रहण केलनि अछि । 

राष्ट्रपति भवन शीतलनिवासमे आयोजना कएलगेल विशेष समारोहमे राष्ट्रपति डा रामवरण यादव प्रधानमन्त्री भट्टराईके पद तथा गोपनीयताके शपथ करौलनि अछि । सभामुख सुवासचन्द्र नेम्वाङ संसदसँ डाक्टर बाबुराम भट्टराई प्रधानमन्त्री पदमे निर्वाचित भेल राष्ट्रपतिके काल्हिए जानकारी करौने छलथि । संसदमा काल्हि भेल चुनावमे भट्टराई ३ सय ४० मत प्राप्त करैत देशके ३५ हम् प्रधानमन्त्री चुनाएल छथि ।

अहिबीच नवनिर्वाचित प्रधानमन्त्री डा बाबुराम भट्टराई उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदारके पद तथा गोपनीयताके शपथ खुवौलनि अछि । एकीकृत माओवादी आ संयुक्त मधेसी लोकतान्त्रिक मोर्चाबीच भेल सहमति अनुसार फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष गच्छदारके उपप्रधान तथा गृहमन्त्रीमे नियुक्त कएलगेल अछि ।

शपथ ग्रहण समारोहमे उपराष्ट्रपति, पूर्व प्रधानमन्त्री, प्रधानन्यायाधीश, संविधानसभा अध्यक्ष, संवैधानिक निकायके प्रमुखसब, प्रधान सेनापति, नेपालमे रहल कुटनीतिक नियोगक प्रमुखसबहक उपस्थिति छल ।

नवनियुक्त प्रधानमन्त्रीके बधाई सन्देश ।।

अहि क्रममे प्रधानमन्त्रीमे नियुक्त भेलाबाद डा.बाबुराम भट्टराईके जापान सरकार हार्दिक बधाई तथा शुभकामना देलक अछि । जापान सरकारक दिससँ  राजधानीमे रहल राजदूत जारी केने वक्तव्यमे प्रधानमन्त्री भट्टराईके नेतृत्वमे रहल सरकार नेपालके शान्ति तथा संविधान निर्माणके जारी प्रक्रियाके निस्कर्षमे पहुँचाबयके विश्वास व्यक्त कएलगेल अछि ।

भारतीय प्रधानमन्त्री डा. मनमोहन सिंह नवनियुक्त प्रधानमन्त्री भट्टराईके काल्हिए बधाई दऽचुकल छथि । डा भट्टराईके कार्यकालमे दु पडोसी देशके सम्बन्ध आओर समधुर होबयके आशा केने प्रधानमन्त्री सिंह व्यक्त कएलनि अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन