Monday, August 22, 2011

सड़क दुर्घटनामें ४१ तीर्थयात्रीके मृत्यु


भारत, भादव ५ । भारतक उत्तर प्रदेशके बलिया ज़िलामें आइ भेल सड़क दुर्घटनामें कम सँ कम ४१ तीर्थयात्रीके मृत्यु भेल अछि तऽ १० गोटे घाहिल भऽगेल अछि । मृत्यु होबयबलामे बेसी महिला आ बच्चा अछि ।

बलिया ज़िलाके उस्मानपुर गाँवस ६० स बेसी लोग ट्रैक्टर सँ ग़ाज़ीपुरके नगरा थाना क्षेत्रके अमवा गाममे सत्ती माईके दर्शन करय जाऽरहल समयमे ओ दुर्घटना भेल पुलिस जनौलक अछि ।

रास्तामें ट्रॉली एकटा दोसर गाडीसँ टकराकऽ सड़कके कातमे रहल गहिर खदियामे खसल छल ।

ज़िला पुलिस अधीक्षक राम स्वरुपके अनुसार मृत्यु भेल ४१ गोटे मेसँ ३० गोटे महिला रहल अछि ।
घाइलसबहक इलाज नगरामे भऽरहल पुलिस जनौलक अछि ।

ज़िला मजिस्ट्रेट मधुकर द्विवेदी कहलनि जे राज्य सरकार प्रत्येक मृतक परिवारके एक-एक लाख रुपैया आर्थिक सहायताके लेल देबयके घोषणा कएलगेल अछि । अहिना गंभीर रूपस घायलके पचास हजार रुपैया आ मामूली रूपस घाइलके पच्चीस हजार रुपैयाके आर्थिक सहायता देल जाएत बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन