Wednesday, August 17, 2011

कांग्रेसके बहुमतीय उम्मेदवारमे पौडेलक दावी


३२ साउन, काठमाडौं । नेकपा कांग्रेसमे बहुमतीय सरकारक लेल प्रधानमन्त्रीके उम्मेदबारबारे विवाद भेल अछि ।

सहमतीय सरकारक लेल वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवाके प्रधानमन्त्रीके उम्मेदबार बनौने कांग्रेसमे बहुमतीय सरकारक प्रधानमन्त्रीके उम्मेदवारमे संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल दावी कएलनि अछि । पौडेलके दावीबाद आइ बैसल कांग्रेस केन्द्रीय कार्यसमितिके बैसारमे सहमतीय सरकारक लेल वरिष्ठ नेता देउवाके प्रधानमन्त्रीके उम्मेदवार बनाबयके निर्णय केलक अछि ।

विवाद मिलाबय केन्द्रीय समितिक बैसार रोकि कऽ सभापति सुशील कोइराला सहितक शीर्ष नेतासबबिच सहमतिके प्रयास होइतो देउवा आ पौडेल अपन जिद नहि छोडलाबाद कोनो सहमति होबय नहि सकल । ओकरबाद बैसल केन्द्रीय समितिके बैसारमे सभापति कोइराला सहमतीय सरकारक लेल वरिष्ठ नेता देउवाके प्रधानमन्त्रीके उम्मेदवार बनाबयके प्रस्ताव पेश कएने छलथि । बैसारसँ सभापतिके प्रस्ताव पारित काएलगेल अछि ।

बैसारमे संसदीय दलक नेता पौडेल राष्ट्रपति देने समयसीमाभितर सहमतिके सरकारक लेल देउवाके प्रधानमन्त्री बनाबय सहयोगके लेल आग्रह कएलनि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन