Wednesday, August 17, 2011

कमला नदीमे नाव दुर्घटना एखनो आधा दर्जन ब्यक्ति बेपता


जनकपुर साउन ३२ । धनुषा आ सिरहाक सिमाना जोडएबला कमला नदीमे काल्हि सांझमे भेल नाव दुर्घटनामे परि बेपता भेल मध्ये एखनि धरिमे २ गोटेके शब मात्र भेटल अछि तऽ एखनो करीब आधा दर्जन ब्यक्ति बेपता अछि।

जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषाक अनुसार सिंग्याहि मरान आ लक्कडसँ १-१ टा सब बरामद भेल अछि। दुर्घटनाक बाद घटनास्थल पंहुचल सिरहा पुलिस -१३ गोटे आ धनुषा पुलिस ४ गोटे कऽ कऽ जम्मा १७ गोटेके उद्धार कएने छल। नावमे अन्दाजी २५-२६ आदमी सबार छल। जखनकी एखनो ६-७ आदमी बेपता अछि आ ओकरसभके खोजि कार्य जारी रहल पुलिस जनओलक अछि।
धनुषाक सिंगयाही मडान,लक्कड,खजुरी,इनर्वा एवम सिरहाक कल्याणपुर,माडर,मिर्चैया,भेडीया सहितक स्थान पर एखनो वेपत्तासभक खोजि काज जारी रहल पुलिस जनओलक अछि।पुलिसक अनुसार सिरहासँ धनुषा आएल नाव साँझमे घुरि रहल समयमे बीच नदीमे पहुँचलाक बाद नाव फाटि गेलाक कारणेँ दुर्घटना भेल छल।नावमे सवार व्यक्तिसभ खेतीके क्रममे सिरहासँ धनुषा आएल छल पुलिस जनओलक अछि। 
धनुषाक सिंग्याहि मरानके कोयलपुर घाटसँ २५ गोटे यात्रिके लऽ कऽ सिरहा तर्फ जा रहल समय नाव काल्हि साँझमे दुर्घटना भेल छल।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन