Wednesday, August 17, 2011

हज़ारों लोग सड़क पऽ उतरल , रिहाई पऽ अनिश्चितता


भारत साउन ३२ । सरकारके लोकपाल विधेयकके विरोध कऽरहल सामाजिक कार्यकर्ता अन्ना हज़ारेके समर्थकसब इंडिया गेटस जंतर-मंतरधरि जुलूस निकाललक अछि त हज़ारे तिहाड़ जेलस निकलता कि नहि बिषयमे अखनो निश्चित होबय नहि सकल अछि । एम्हर तिहाड जेलके बाहर हजारे समर्थकसबहक भिड लागल अछि ।

हज़ारेके रिहा करयके आदेश काल्हिए  रातिके देल गेल होइतो ओ जेलस बाहर आबयसँ मना कऽ देलथि आ ओ कहलनि जे जा धरि अनशन पऽ लागल शर्ते नहि  हटत ता धरि जेलस बाहर नहि निकलब ।

अहिके बाद सरकारके झुकैत अन्नाके बात मानैत दिल्ली पुलिस अपना दिससँ अनशनके लेल रामलीला मैदान देबयके लेल सहमत भेल अछि । मुदा इ विरोध प्रदर्शन कहियाधरि चलत आ अहि पऽ दुनु पक्ष कखनधरि सहमत हाएत से निशि्चित होबय नहि सकल अछि ।

अहि बीच हज़ारों लोग तिरंगा लऽ कऽ आइ साँझ ४  बजे इंडिया गेट पहुँचल आ ओहि ठामसँ ओ जंतर-मंतर दिस प्रस्थान केने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन