Wednesday, August 17, 2011

. मालपोत कार्यालय आइयो बन्द


जलेश्वर, साउन ३२ । कर्मचारीके पिटने कहैत काल्हिसँ बन्द रहल जिल्ला मालपोत कार्यालय महोत्तरी आइ सेहो खुजय नहि सकल ।
कर्मचारीसब  आइयो कार्यालय बन्द कऽ दिनभरि जिल्ला प्रशासन कार्यालय महोत्तरीमे धर्ना देलक अछि ।
तिन दिन आगु काम नहि केने कहैत खरिदार रामकृष्ण पण्डितके किछ युवासब पिटपाट केने कहैत कर्मचारीसब काल्हिए शान्ति सुरक्षाके ग्यारेण्टी नहि होबयधरि कार्यालय बन्द राखयके चेतावनी देने छल ।

मालपोत कार्यालयके कर्मचारी वैकुण्ठबिहारी लाल कर्ण दोषी उपर कारवाहीके माँग आ असुरक्षाके कारण मालपोत कार्यालय बन्द कऽ धर्ना देबय परल बतौलनि । ओ सुरक्षा प्रदान कऽ दोषीके कारवाही नहि होबयधरि मालपोत बन्द रहत कहैत कर्मचारी पिटपाटमे माओवादी कार्यकर्ताके हात रहल आरोप लगौने छलथि ।
वायह क्रममे सहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारी राजिव खनाल मालपोत कार्यालयके कर्मचारीसब तथा माओवादीके वार्तामे बजौने छलथि । एम्हर माओवादीके कार्यकर्तासब अपनेसब पिटपाट नहि केने आ अपन कार्यकर्ताके संलग्नता नहि रहल जनौलक अछि ।

सहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारी दोषी उपर कारवाही आ सुरक्षाके ग्यारेण्टी देबयके कहलाबाद काल्हिसँ कार्यालय खोलल जाएत एक कर्मचारी बतौलक अछि ।

जिल्ला मालपोत कार्यालय दु दिनसँ बन्द भेलाबाद कामके लेल दुर दुरसँ आएल सेवाग्राहीसब समस्यामे परल अछि ।

एम्हर मालपोतमे लेखनदासके काज करैत आएल लेखनदाससब कर्मचारीसबहक कार्यशैली प्रति विरोध जनबैत वितल एक हप्तासँ आन्दोलन करैत आएल अछि । लेखनदाससब एक संघर्ष समिति बनाकऽ विभिन्न आन्दोलनके कार्यक्रमसब करैत आएल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन