Tuesday, August 30, 2011

उधोग वाणिज्य संघक अगामी निर्वाचनकेलेल मनोयन दर्ता


जनकपुरधाम, भादव १३ । उधोग वाणिज्य संघक अगामी निर्वाचनकेलेल उम्मेदवारसभ आई अपन अपन मनोयन दर्ता करओलन्हि अछि।
संघक अगामी २४ गते भऽ रहल निर्वाचनकेलेल अध्यक्ष पदमे सातटा व्यवसायी अपन मनोयन दर्ता करओलन्हि अछि।
अध्यक्ष पदकेलेल शिवशंकर साह हिरा,श्याम प्रसाद साह,उमाशंकर प्रसाद साह,रघुनाथ प्रसाद साह,लालबाबु साह,दशरथ साह आ प्रमोद कुमार गुप्ता मनोयन पत्र दर्ता करओलन्हि अछि।तहिना बृजनन्दन प्रसाद साह,हरि राउत,अनिरुद्ध साह सहित ८ गोटे उपाध्यक्ष पदमे मनोयन पत्र दर्ता करओलन्हि अछि।
तहिना महासचिव पदलेल ४,सचिव पदलेल ८,कोषाध्यक्षमे ८ आ कार्यसमिति सदस्यलेल ३६ गोटे अपन मनोयन दर्ता करओने संघक निर्वाचन आयोग जानकारी देलक अछि। निर्वाचन आयोगक अनुसार काल्हि दावी विरोध आ परसु उम्मेदवारी फिर्ता लेबक कार्यक्रम निर्धारण कएलगेल अछि।
उम्मेदवारसभक अन्तिम नामावली शुक्रदिन प्रकाशित कएलजएतैक बुझबामे आएल अछि।वाणिज्य संघ जनकपुरमे कुल ३ हजार ३ सय ५६ मतदाता अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन