Tuesday, August 30, 2011

राहत कार्यक्रम लाबय प्रधानमन्त्री भट्टराईके निर्देशन


१३ भादौ, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई जनताके अनुभूति होबय जका राहतके कार्यक्रम लाबय सचिवसबके निर्देशन देलनि अछि ।

प्रधानमन्त्रीक कार्यालय सिंहदरबारमे सरकारक सचिवसबसँग आइ भेल बिमर्शमे प्रधानमन्त्री भट्टरार्इ जनताके अनुभूति होबय जका एक महिनाभितर केहन केहन राहतके कार्यक्रम आनल जा सकैय बिषयमे जल्दीसँ जल्दी स्पष्ट खाका प्रस्तुत करय  निर्देशन देलनि ।

आमजनताके अपेक्षा आ आकांक्षाबीचमे गठन भेल सरकारक स्थायित्वके लेल निजामती कर्मचारीसँ सहयोगके अपेक्षा केने बतबैत ओ दैनिक अत्यावश्यक उपभोग्य वस्तुसबके सहज आपूर्तिके तत्काल प्रभावकारी बनाबय निर्देशन देलनि ।

भ्रष्टाचारजन्य क्रियाकलाप नियन्त्रणके लेल अपनासँ सुरु करयबला कार्यक्रममे सहयोग पहुँचाबय आग्रह करैत प्रधानमन्त्री डा भट्टराई ओइके लेल अपन कार्यशैलीमे सुधार करय ध्यानाकर्षण करौलनि ।

प्रधानमन्त्री डा. भट्टराई शान्ति प्रक्रियाके सार्थक निष्कर्षमे पहुँचाबय आ संविधानसभासँ संविधान जारी करयके सरकारक मुख्य लक्ष्य रहल बतौने प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्क सचिव सुशील जंगबहादुर राणा जानकारी देलनि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन