Wednesday, September 07, 2011

२०६८ भादव २१ गतेके समाचारसब


सुरक्षा व्यवस्थामे कडाई करय सुरक्षा प्रमुखसबके निर्देशन


प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई तत्काल परिणाम देखाए जका देशके सुरक्षा व्यवस्थामे कडाई करय सुरक्षा प्रमुखसबके निर्देशन देलनि अछि ।

सिंहदरबारस्थित प्रधानमन्त्री कार्यालयमे आइ भिन्सर रक्षा आ गृहसचिवके साथे चारु सुरक्षा निकाय प्रमुखके सामूहिक भेला कऽ भट्टराई ओहन निर्देशन देलनि अछि । संक्रमणकालके बहानामे सुरक्षा अवस्थामे खलल पहुँचाबयबलाके राज्य छुट देबय नहि सकत स्पष्ट करैत ओहन तत्व विरुद्ध कडाईपूर्वक प्रस्तुत होबय सुरक्षा अधिकारीसबके ओ निर्देशन देलनि । प्रधानमन्त्री भट्टराई देशके सुरक्षा अवस्थाप्रति असन्तुष्टि व्यक्त करैत ओइमे सुधार लाबय कोनो कसर बाँकी नहि राखि काम करय निर्देशन देने प्रधानमन्त्रीक निजी सचिवालय जनौलक अछि ।

प्रधानमन्त्री ककरो डर, धाक आ धम्कीसँ नहि डेरा कऽ निष्पक्ष रुपमे कार्य सम्पादन करय सुरक्षा अधिकारीसँ आग्रह कएलनि अछि । भट्टराइ निक काज करयबलाके सरकारसँ  डेराय नहि परत कहैत सरकारक निर्देशनके नहि मानयबलाके कडा मूल्य चुकाबय परत बतौलनि । भट्टराई अपन प्रधानमन्त्री कालमे नियम तोरि कऽ मनमानी ढँगसँ सरुवा आ बढुवाके निर्णय नहि हाएतमे बिश्वस्त रहय कहलनि ।

अहिना दशैं आ शुकरातीक समयमे होबयबला आपराधिक गतिविधि तथा कालाबजारी रोकय कडाईपूर्वक काम करय प्रधानमन्त्री सुरक्षा प्रमुखसबके सचेत करौलनि अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।

एक युवक मृत अवस्थामे आइ भिन्सर भेटल

सिरहाके लहान नगरपालिका-३ रघुनाथपुरस्थित सडक कातमे एक युवक मृत अवस्थामे आइ भिन्सर भेटल अछि । वडा प्रहरी कार्यालय लहानक अनुसार लहान नगरपालिका-४ के  २८ वर्षक राजकुमार मण्डल खत्वे मृत अवस्थामे भेटल अछि । राति पिटपाटसँ हत्या कऽ फेकल अवस्थामे शव भिन्सर ५ बजेदिस भेटल पुलिस जनौलक अछि ।

मृतक मण्डलके शव पूर्व पश्चिम सडकके लहान-३ रघुनाथपुरस्थित उत्तरदिस सडक कातमे भेटल बतबैत पुलिस हत्या के आ किया केलक विषयमे अनुसन्धान कऽरहल जनौलक अछि । हत्याके अभियोगमे पुलिस दु गोटेके गिरफ्तार करितो अनुसन्धानमे दिक्कत पहुँचत कहैत नाम नहि खुलौने अछि ।

मृतकके माथमे बाँसके फट्टा प्रहारके गहिर चोटसब देखलगेल पुलिस जनौलक अछि । शव  वडा प्रहरी कार्यालयसँ करिब ५ सय मीटर पूर्वमे भेटल छल ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
सरकार असफल होइत जाऽ रहल

सूचना तथा सञ्चारमन्त्री जयप्रकाश प्रसाद गुप्ता अपने सहभागी रहल सरकार असफल होइत जाऽ रहल  बतौलनि अछि ।

सञ्चार मन्त्रालयमे सञ्चारकर्मीसबसँग बातचित करैत मन्त्री गुप्ता १५ दिनभितर समावेशी विधेयक परिमार्जन कऽ संसदमे पेश करयके, कुटनीतिक आ संबैधानिक नियुक्तिके लेल नाम प्रस्ताव करयके आ तत्काल जनताके लेल राहत कार्यक्रम लाबयमे सरकार गठन भेल १० दिन वितलाक बादो मन्त्री परिषद्क बैसार बैसय नहि सक्लासँ सरकारक असफलताके पुष्टि भेल दाबी कएलनि ।

'४ बुँदे सहमति कार्यान्वयनम चाबी हस्तान्तरण जेहन प्रतिकात्मक काम बाहेक कोनो ठोस काम करय नहि सकि कऽ सत्तारुढ दलसब ओझराएलासँ सरकार सेहो अलमलमे परल ओ बतौलनि  

मन्त्री गुप्ता सरकारक आयु तीन महिना मात्रे रहल कहैत सरकार गठन भेल १० दिनधरि सेहो मन्त्री परिषदके पूर्णता देबय नहि सकनाइ सत्तारुढ दलसबहक कमजोरी  आ असफलता भेल  दावी कएलनि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
रामाज्ञा चतुर्वेदीके भ्रष्टाचार मुद्दामे २ करोड जरिवानाके फैसला

सर्वोच्च अदालत नेपाल आयल निगम तथा वायु सेवा निगमक पूर्वमहाप्रबन्धक रामाज्ञा चतुर्वेदीके भ्रष्टाचार मुद्दामे २ करोड जरिवानाके फैसला केलक अछि ।

प्रधानन्यायाधीश खिलराज रेग्मी सम्मिलित इजलास २ करोड जरिवाना आ डेढ वर्ष कैद फैसला सुनौलक अछि । पूर्व मन्त्री चिरञ्जीवी वाग्लेबाद सर्वोच्च फैसला केने इ दोसर भ्रष्टाचारक मुद्दा अछि ।
………….।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।

संयुक्त राष्ट्रसंघ महासभासँ घुरलाबाद भारत भ्रमण

प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई संयुक्त राष्ट्रसंघ महासभासँ घुरलाबाद भारत भ्रमण करयके जानकारी करौलनि अछि ।

आइ भारतीय राजदूत जयन्तप्रसादसँग सिंहदरवारमे भेल भेटमे प्रधानमन्त्री इ जानकारी देलनि अछि । भेटमे भारतीय राजदूत जल्दीसँ जल्दी भारत भ्रमण करय अनुरोध केने प्रधानमन्त्रीक पत्नी एवं माओवादी पोलिट्ब्युरो सदस्य हिसिला यमी जानकारी देलिह अछि ।

 'जवाफमे प्रधानमन्त्री राष्ट्रसंघ महासभासँ घुरलाबाद समय मिला कऽ भारत भ्रमण करयके कहने छलथि,' । आसिन २ गतेसँ होबयबला महासभासँ घुरलाबाद समय मिला कऽ भारत जाएके प्रधानमन्त्रीक कहब छलनि ।

भेटमे राजदूत जयन्तप्रसाद शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणबारे चाँखि रखने छलथि । करिब एक घण्टा भेल  भेटमे प्रधानमन्त्री अपने प्रधानमन्त्रीमे निर्वाचित भेलाबाद शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माण गति लेने दाबी केने छलथि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
नेपाल भारतक सिमा सुरक्षा सम्बन्धि बैसार

नेपाल भारतक सिमा सुरक्षा सम्बन्धि बैसार आइ जनकपुरमे भेल  अछि ।

अँचल प्रहरी कार्यालय जनकपुरमे सम्पन्न बैसारमे सिमा अतिक्रमण, अपराधी गतिबिधि नियन्त्रण, लागु औषध कारोबार नियन्त्रण, भारतिय एस एस बी द्धारा नेपाली उपर भऽ रहल दुर्ब्यबहार सहितक बिषयमे बातचित भेल  बताओलगेल अछि ।

अहिना दशमी दियाबाती आ छठि के समयमे भारतसँ कोना कऽ खाद्य पदार्थसबके सहज ढँगसँ लाओल जाए बिषयसबमे बैसारमे बातचित भेल बताओल गेल अछि ।

बैसारमे भारत जमुनी नदी तटबन्ध नेपालके सिमामे बना रहल आ ओइस नेपाल क्षेत्र डुबानमे परयके खतरा रहलासँ दुनु देशके सँगे तटबन्त्ध बनाबयके बिषयमे सेहो बातचित भेल अछि ।

बैसारमे धनुषाक दिससँ प्रमुख जिल्ला अधिकारी बिरेन्द्र कुमार यादव आ भारतके दिससँ मधुबनीके जि एम सँजिब हन नेतृत्व केने छलथि ।

धनुषा महोतरी सिरहा सप्तरीक प्रमुख जिल्ला अधिकारी एस पी सहित भारतक मधुबनी जिल्लाक बिभिन्न प्रखण्डक सुरक्षा प्रमुख, एस एस बिके सुरक्षा प्रमुख सहितक ब्यक्तिसब बैसारमे सहभागी छलथि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
चितवन खण्ड ठप्प

युवा संघ केन्द्रीय सचिवालय सदस्य कमल पाठक उपर दबिया प्रहार केने बिरोधमे एमाले निकट युवा आइ पूर्व पश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत चितवन खण्ड ठप्प केलक अछि ।

ओसब राजमार्ग अन्तर्गत चितवनके ज्यामिरे, भण्डारा, केन्द्रीय बस टर्मिनल चोक आ सहिदचोकमे सवारी आवागमनमे अवरोध पहुँचौलक अछि । अहिबीच पाठक उपर दबिया प्रहार केने आरोपमे पुलिस रत्ननगर ६ के प्रदिप भट्ट, प्रेम बस्तीके आशिष बस्नेतके गिरफ्तार केलक अछि । आरोपित राजु गुरुङ फरार रहल पुलिस जनौलक अछि ।

पाठक उपर आइ भिन्सर टिकौली जंगलमे दबियारी प्रहार कएल गेल छल । रत्ननगरसँ भरतपुरदिस जा रहल पाठकके भिन्सर साढे १० बजे टिकौंली जंगलमे दबिया प्रहार कएल गेल छल ।

हुनका थप इलाजक लेल काठमाण्डौ पठाओल गेल अछि । हुनकर दुनु हातमे गम्भीर चोट लागल अछि ।

  ।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
संसदीय शासकीय प्रणालीमे कांग्रेस जाए सकत

नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य शेखर कोइराला प्रत्यक्ष निर्वाचित प्रधानमन्त्री होबयबला संसदीय शासकीय प्रणालीमे कांग्रेस जाए सकत बतौलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे कोइराला कहलनि जे-संसदीय ब्यवस्था कांग्रेसक बटमलाईन अछि । मुदा, प्रत्यक्ष निर्वाचित प्रधानमन्त्री आ अखन जका राष्ट्रपति होबयके संसदीय शासकीय प्रणालीमे कांग्रेस सकारात्मक अछि ।

ओ नेपालमे फ्रेन्च मोडलके शासकीय प्रणालीमे राष्ट्रपति अधिनायकसँ खतरा रहलासँ कांग्रेसके चिन्ता लागल बतौलनि ।

ओ सरकारके शान्ति प्रक्रिया निष्कर्षमे पहुँचाबयके आ संविधान लिखयके विषयमे कांग्रेसक सहयोग रहत बतौलनि । नेता कोइराला शान्ति प्रक्रियामे माओवादी लचकता देखाओत तऽ कांग्रेस सेहो अपन जिदमे नरमता देखाओत स्प्ष्ट कएलनि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
विस्फोटमें १० गोटेके मृत्यु


दिल्ली हाई कोर्टके बाहर भेल एक विस्फोटमें १० गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ  कम स कम ४७ गोटे घाइल भेल अछि ।

घटनाक जांचके लेल  नेशनल इंवेस्टीगेशन एजेंसी यानी राष्ट्रीय जांच एजेंसी के जिम्मा लगाओल गेल अछि आ जांचके लेल 20 गोटेके विशेष टीम बनाओल गेल अछि ।.

अहि घटनाके हरकत-उल-जिहाद (हूजी)  ज़िम्मेदारी लेलक अछि ।

हूजी मूलरूपस बांग्लादेशके चरमपंथी संगठन अछि मुदा एकर गतिविधी पाकिस्तानमें सेहो रहल बताओल गेल अछि ।

मीडियाके पठौने मेलमें हूजी कहने अछि जे, "दिल्ली हाईकोर्टमें आइ भेल विस्फोटके ज़िम्मेदारी हम लैत छी आ हमर  मांग इ अछि कि अफ़ज़ल गुरुके मृत्युके सज़ायके तत्काल रद्द कएल जाए नहि तऽ हम  बड़का हाईकोर्ट आ सुप्रीम कोर्ट पर हमला करब ।

ज्ञातब्य जे अफ़ज़ल गुरुके सन् 2001 में संसद पर भेल चरमपंथी हमलाके सिलसिलामें सुप्रीम कोर्ट  फाँसीके सज़ाय सुनौने छल ।

अहि फ़ैसलाके बाद ओ राष्ट्रपति सँ माँफीके माँग केने छल जाहि पर फ़ैसला होबय बाँकी अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन