Saturday, September 03, 2011

सवारी दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु


इनरुवा, भादव १७ । सुनसरीके लौकहीमे आइ  भेल सडक दुर्घटनामे परि एक गोटेके मृत्यु भेल अछि । लौकहीसँ इनरुवा दिस आबिरहल को ३ प ७५९३ नम्बरक मोटरसाइकल चालक रामप्रसाद साहके दुर्घटनामे परि मृत्यु भेल अछि ।

साह सवार मोटरसाइकलके विपरित दिससँ आबिरहल बा २ ख ६२२५ नम्बरक यात्रु बाहक बस ठक्कर देलाबाद इलाजक लेल ल जाइत काल हुनक  मृत्यु भेल इलाका प्रहरी कार्यालय लौकही जनौलक अछि ।

ठक्कर देनिहार बस लौकही पुलिसक  नियन्त्रणमे रहल सुनसरी पुलिस जनौलक अछि । दुर्घटनाके बाद आक्रोषीत स्थानीयसब राजमार्गके भोक्राहा सडक खण्डमे किछ काल  चक्का जाम सेहो केने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन