Saturday, September 03, 2011

संविधान बनयके लक्षण देखाइ दऽरहल अछिः सभामुख


ललितपुर, भादव १७ । सभामुख सुवास नेम्बाङ संविधान बनयके सकारात्मक लक्षण देखाइ दऽरहल बतौलनि अछि । 

 माओवादीके दोहरा सुरक्षा प्रणालीके अन्त्यक सँगै डेढ महिनाभितर शान्ति प्रक्रिया निश्कर्षमे पहुँचाबयके अधार बनल ओ उल्लेख केलनि । 'बाँकी पैतालिस दिनमे संविधानक एकीकृत मस्यौदाके निश्कर्ष लागत', लिम्बू जातिके सामाजिक संस्था किरात याक्थुङ चुम्लुङके २३ हम् वाषिर्कोत्सवमे आइ ओ कहलनि ।

 आइ बैसल संविधानसभाके उपसमितिके बैसार सकारात्मक रहल उल्लेख करैत ओ अपने प्रधानमन्त्री आ माओवादी अध्यक्षसँ दस दिनभितर निश्कर्षमे पहुँचाबयके आश्वासन पौअने नेम्वाङ बतौलनि ।' संविधान सभाके ११ समिति मेसँ शासकीय स्वरुप, निर्वाचन प्रणाली आ संघीय संरचनाके विषय मात्रे निश्कर्षमे पहुँचय बाँकी रहल आ ओइ विषयबारे बैसारमे पेश केने सभामुख नेम्बाङ जानकारी देलनि ।

अहिना नेपाल आदिवासी जनजाति महासंघक महासचिव आङ्काजी शेर्पा जाति, भाषा आ ऐतिहासिक पहिचान सहित राज्य पुनः संरचना होबय परत बतौलनि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन