Saturday, September 03, 2011

बिद्यार्थी हत्याके बिरोधमे मसाल जुलुस


नेपालगन्ज, भादव १७ । अनेरास्ववियु सम्बद्ध बिद्यार्थीके हत्यामे संलग्नके पहिचान कऽ तत्काल कारबाही करयके माँग करैत आइ एमालेसम्बद्ध युवा तथा विद्यार्थीसब नेपालगन्जमे मसाल जुलुस निकाललक अछि । मसाल जुलुसमे पुलिसक हस्तक्षेपक बाबजुदो कोनो अप्रिय घटना नहि भेल । 
एमाले पार्टी कार्यालयसँ अनेरास्ववियु आ युवा संघक कार्यकर्तासब मसाल जुलुस निकाल्ने छल । मसाल जुलुस बीपीचोकमे पहुँचलाबाद पुलिस हस्तक्षेप केलाबाद किछकाल तनाब उत्पन्न भेल छल ।

बितल सोमदिन अज्ञात समूहक आक्रमणमे विद्यार्थी बिष्णुविक्रम शाहीके कारकाँदोमे हत्या भेल छल ।  छुरी मारि कऽ ओहिसंग बिद्यार्थी बिक्रम गुरुङ्ग आ अखिल नेपाल राष्ट्रिय स्वतन्त्र बिद्यार्थी युनियन बाँकेके सचिव निकेश लामिछाने सेहो सख्त घाईल भेल अछि । ओ घटनाके अनुसन्धान कऽ दोषीके कारबाहीके माँग करैत बाँकेके एमालेसम्बद्ध युवा तथा बिद्यार्थी आन्दोलित अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन