Saturday, September 03, 2011

सशस्त्र समुहसब एकठाम आबद्ध भ केलक एकटा नव पार्टीक निर्माण


जनकपुरधाम, भादव १७ । तराइमे सँघर्षरत बिभिन्न सशस्त्र समुहसब एकठाम आबद्ध भ एकटा नव पार्टीक निर्माण केलक अछि ।

बिभिन्न भुमिगत समुहसबहक अज्ञात स्थल पर सम्पन्न बैसार सँ नव गठित पार्टीके नाम तराइ कम्युनिष्ट पार्टी राखल गेल अछि ।

नव गठित पार्टीमे जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा, तराई कम्यूनिष्ट पार्टि (क्रान्तिकारी), तराई सोसलिष्ट पार्टि, मधेशी साइलेन्ट किलर्स, तराई कन्ट्रोल आर्मी, तराईमधेश जातिय मञ्च, स्वायत् मधेश परिषद, मधेश एकता मञ्च आ तराई रिपब्लिकन फोर्स आबद्ध रहल नव गठित पार्टीक अध्यक्ष तथा सुप्रिम कमाण्डर मनोज मुक्ति बिबेक द्धारा जारी बिज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।

 ऐकिकृत भऽ बनल नवगठित तराई कम्यूनिष्ट पार्टिके प्रथम बिस्तारित बैसारसँ पोलिट ब्युरो सदस्य तथा केन्द्रिय सदस्यसबके सेहो चयन कएल गेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन