Tuesday, September 13, 2011

द्वन्द्वकालके सब मुद्दा फिर्ता हाएतः महान्यायाधिवक्ता


२७ भादव, काठमाडौँ । नवनियुक्त महान्यायाधिवक्ता मुक्ति प्रधान १० वर्षे सशस्त्र युद्धके समय माओवादी नेतासब उपर लगाओल गेल सब मुद्दा फिर्ता लेब बतौलनि अछि ।

रिपोर्टर्स क्लब आइ राजधानीमे आयोजना केने साक्षात्कारमे बजैत प्रधान शासन व्यवस्थाविरुद्ध लड्यके क्रममे लागल सब मुद्दा राजनीतिक भेलासँ राजनीतिक प्रतिशोधके आधारमे लगाओल गेल ओहन सब मुद्धा फिर्ता कएल जाएत बतौलनि । २०४६ साल सँ राजनीतिक प्रकृतिके मुद्दा फिर्ता लेबय सुरु भेल स्मरण करैत ओ मुद्दा फिर्ता नहि लेने रहित तऽ माधवकुमार नेपाल, केपी ओली, झलनाथ खनाल सबके हत्या सम्बन्धि बिषयमे २० वर्ष जेल सजाय भोगय परत तर्क कएलनि ।

ओ राजनीतिक प्रतिशोध, द्धन्द्ध, आन्दोलनके आधारमे लगाओल गेल मुद्दा फिर्ता करयके सिद्धान्तमे आपत्ति प्रकट करय नहि चाही कहैत राजनीतिक खोल ओढि कऽ कएल गेल गम्भीर प्रकृतिके मुद्दा  फिर्ता लेबय  नहि चाही स्पष्ट कएलनि । भारतके पटना उच्च अदालत ११ माओवादी नेता कार्यकर्ता उपर सुनौने सजाँयबारे गृहकार्य जारी रहल कहैत सरकार उपयुक्त कदम उठाओत जानकारी करौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन