Saturday, September 24, 2011

माओवादी आ कांग्रेसक दबाबमे पद छोडलौः खनाल


७ आसिन, बेनी । एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल माओवादी आ कांग्रेसक दबाबमे अपने प्रधानमन्त्री पदसँ राजीनामा देबय परल बतौलनि अछि ।

एमाले म्याग्दी जिल्ला परिषद्क आइ बेनीमे उद्घाटन करैत अध्यक्ष खनाल बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक वर्तमान सरकार इतिहासेके सबसँ कमजोर सरकार भेल दाबी कएलनि । अपन नेतृत्वमे सरकार बनत तऽ चमत्कार कऽक देखा देबयके घोषणा केने माओवादीक उपाध्यक्ष भट्टराई प्रधानमन्त्री बनल एक महिना होबय लगला बादो माछी धरि नहि मारने आरोप लगौलनि ।

प्रधानमन्त्री भट्टराई मुस्ताङ गाडी चढि कऽ गोरखपुरदिस गेल कहैत अध्यक्ष खनाल व्यङ्ग्य कएलनि । माओवादी असगरे चाहितोमे शान्तिप्रक्रिया आगु नहि बढत कहैत खनाल राष्ट्रिय सहमतिके विकल्प नहि रहल दोहरौलनि । एमालेक साथबिना माओवादी राष्ट्रिय सहमति जुटाबय नहि सकत खनालक कहब छलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन