Thursday, October 20, 2011

प्रधानमन्त्री भटराइ भारतक दिल्ली प्रस्थान


३ कातिक जनकपुरधाम । प्रधानमन्त्री डा बाबुराम भटराइ आइ बेरियामे पौने १ बजेके नेपाल वायु सेवा निगमके बिमानसँ  भारतक दिल्लीके लेल प्रस्थान कएलनि अछि । भारतक प्रधानमन्त्री डा.मनमोहन सिंहक निमन्त्रणामे ओ ६ गतेधरिके लेल भारतक दिल्ली प्रस्थान कएलनि अछि ।

ओ १ बाजि कऽ ४५ मिनेटमे भारतक इन्दिरा गान्धी अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल दिल्लीमे पहुँचल छलथि ।  भटराइ सवा ३ बजे अपने विद्यावारिधी केने जवाहरलाल नेहरु विश्वविद्यालयके सहपाठीसबसँग भेटघाट करताह बताओल गेल अछि  । ओकर बाद ४ बजे भारतीय कम्युनिष्ट पार्टीक महासचिव डिबी बर्द्धानसँग भेटवार्ता करताह । अहिना हुनका पौने ५ बजे रविमार्गस्थित कन्स्टिटच्युसनल क्लबमे जाएके कार्यक्रम छन्हि ।

कन्सिट्च्युसनल क्लवमे साउथ एशियन फोरम फर पिपल्स इनिसिएटिभ अन विहाफ फर सिभिल सोसाइटीके महासचिव सुबिन्द्र बहादुरियाद्वारा आयोजित स्वागत कार्यक्रममे हुनका ५ बजे सहभागी होयबाक कार्यक्रम अछि ।
भ्रमणका अवधिमे प्रधानमन्त्री भट्टराई भारतक राष्ट्रपति प्रतिभा पाटिल आ उपराष्ट्रपति मोहम्मद हामिद अन्सारीसँग शिष्टाचार भेट करताह ।  परराष्ट्र मन्त्रालयके अनुसार  ३७ सदस्यीय टोलीमे प्रधानमन्त्रीक साथ हुनक पत्नी हिसिला यमी, उपप्रधानमन्त्री एवम् परराष्ट्रमन्त्री नारायणकाजी श्रेष्ठ, सूचना तथा सञ्चारमन्त्री जयप्रकाशप्रसाद गुप्ता, भौतिक योजना तथा निर्माणमन्त्री हृदयश त्रिपाठी, स्वास्थ्यमन्त्री राजेन्द्र महतो, अर्थमन्त्री वर्षमान पुन, सिँचाईमन्त्री महेन्द्र यादव आ उद्योगमन्त्री अनिलकुमार झा सहभागी छथि । अहिना राष्ट्रिय योजना आयोगक उपाध्यक्ष, सभासदसब आ उच्च सरकारी अधिकारीसब सेहो भ्रमणमे सहभागी छथि ।

प्रधानमन्त्री भट्टराईके इ भ्रमण मुलरुपमे आर्थिक मामिला आ तत्काल समाधान होबयके विषयसबके केन्द्रीत रहत । द्वीपक्षीय बिमर्शमे काठमाडौं वीरगन्ज दु्रतमार्ग निर्माण तथा विद्युतमे लगानी प्राथमिकताके विषय हाएत ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन