२५ आसिन, काठमाण्डौ । एकीकृत माओवादीक संस्थापन आ बैद्य पक्ष बजौने राष्ट्रिय कार्यकर्ता प्रशिक्षण भेला स्थगित भेल अछि ।
माओवादी पदाधिकारीसबहक आइ भिन्सर बैसल बैसारसँ संस्थापन पक्ष २९ गते बजौने आ वरिष्ठ उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण पक्ष २८ गते बजौने कार्यकर्ता प्रशिक्षण भेला स्थगित करयके निर्णय केलक अछि ।
संस्थापन पक्षले पार्टीके आधिकारिक लाइनबारे जानकारी देबय कहैत आसिन २९ गते प्रशिक्षण भेला बजैबते बैद्य पक्ष २८ गते समानान्तर भेला बजौने छल । प्रचण्ड निवास नयाँबजारमे बैसल पदाधिकारीसबहक बैसारसँ कार्तिक १७ गते केन्द्रीय समितिक बैसार बजौने अछि । बैसारसँ केन्द्रीय समितिके निर्णय नहि करयधरि विवादास्पद अभिव्यक्ति नहि देबय आ बिमर्श भेला जेहन कार्यक्रम नहि करयके सेहो निर्देशन देलगेल अछि ।
माओवादी पदाधिकारीसबहक बैसारसँ भूमिसुभार मन्त्री एवं पार्टी केन्द्रीय सदस्य प्रभु साहविरुद्ध लगाओलगेल हत्या आरोपके मुद्धा निराधार रहल कहैत सरकारक ध्यानाकर्षण करौने अछि । बैसारमे सातो पदाधिकारीके सहभागिता छल । अहिसँ आगु बैद्य पक्ष पदाधिकारी आ स्थायी समितिक बैसार बहिस्कार करैत आएल छल ।
No comments:
Post a Comment