Friday, October 07, 2011

छत्तीसगढ़मे भेल बारूदी विस्फोटमें परि चारि सुरक्षाकर्मीके मृत्यु


२० आसिन छत्तीसगढ़ । छत्तीसगढ़के बस्तर संभागमें एकटा बारूदी सुरंगमे भेल विस्फोटमें परि सशस्त्र सीमा बलके ४ सुरक्षाकर्मीके मृत्यु भेल अछि तऽ पांच गोटे घाइल भेल अछि ।

दंतेवाड़ाके  गीदम इलाकासँ जगदलपुर जा रहल समय बिष्फोटक धरापमे पारि बिष्फोट कराओल गेल छल ।

जगदलपुर और दंतेवाड़ाके बीचमे परयबला राष्ट्रीय उच्च मार्ग पर भेल बिष्फोटमे माओवादी सड़कके बीचों बीच बिष्फोटक समान लगौने बताओल जाऽ रहल अछि ।

पुलिसके कहब अछि जे विस्फोटक आवाज बहुत दुर तक सुनाएल छल । जाहि कारण इ उच्चशक्तिके बिष्फोटक रहल पुष्टि होइत अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन