Friday, October 07, 2011

धनुषामे पुलिस आ अपराधिक समूहक गोलीसँ दु गोटेके मृत्यु


२० आसिन, काठमाडौँ । धनुषाक दु अलग अलग स्थानमे पुलिस आ अपराधिक समूहक गोली प्रहारसँ बितलराति दु गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

मुखियापट्टीस्थित पुलिस चौकीमे हल्ला करैत प्रवेश केने स्थानीय कुलधारी मुखिया पुलिसक प्रतिकारमे मारलगेल अछि । ओ चौकीमे प्रवेश कऽ ड्युटिमे रहल पुलिस जवान उपेन्द्र यादव उपर छुरा प्रहार केलाबाद जवाफी कारबाहीमे मारलगेल धनुषा प्रहरीक प्रमुख उपरीक्षक हरिबहादुर पाल जानकारी देलनि । पेटमे छुरा लागि गम्भीर घाइल भेल जवान यादवके वीरगञ्जस्थित नारायणी उपक्षेत्रीय अस्पतालमे इलाज भऽ रहल अछि ।

अहिना अज्ञात हतियारधारीके गोली प्रहारसँ जनकपुरमे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

स्थानीय तरकारी तथा घरजग्गा व्यवसायी जैतुन खातुनके जनकपुरक पेठिया बजारस्थित अज्ञात समूह गोली मारि कऽ हत्या केलक अछि । छातीमे गोली लागल खातुनके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल बताओलगेल अछि । प्रहरी उपरीक्षक पाल खातुनके किछ दिन एम्हर अपरिचिच व्यक्ति टेलिफोन कऽ जान मारयके धम्की दैत आएल जानकारी देलनि । दुनु घटनाबारे छानविन भऽरहल पाल बतौलनि अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन