Friday, October 07, 2011

२ किलो चरस आ साढे २ किलो गाँजा सहित २ गोटे गिरफ्तार


२० आसिन, वीरगञ्ज । बाराके अलगे अलग ठामसँ ३२ किलो अवैध चरस आ साढे २ किलो गाँजा सहित दु गोटेके बितलराति पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।

जिल्ला प्रहरी कार्यालय बारासँ खटल पुलिसक गस्ती टोली फेटा लगसँ एक भारतीय नागरिकके गिरफ्तार केलक अछि । बीआर टीओ-३ ओ ८९८९ नम्बरक भारतीय नम्बरके टाटा सुमोमे नुका कऽ रखने ३२ किलो चरेशसहित ओइके चालक भारतक रामगढवाके पारस प्रसाद साहके गिरफ्तार कएल गेल प्रहरी नायव उपरीक्षक अनुराग द्धिवेदी बतौलनि । टाटा सुमोमे रहल तस्कर समुह पुलिसक गस्ती टोलीके लक्षित करैत एक राउण्ड गोली सेहो चलौने छल ।

अन्य दु गोटे तस्कर भागय सफल भेल प्रहरी उपरीक्षक द्धिवेदी बतौलनि । अहिना बाराके मटिअर्वास्थित सशस्त्र प्रहरी बेसक्याम्पसँ गेल गस्ती टोली साढे २ किलो गाँजा सहित एक गोटेके गिरफ्तार केलक अछि । सशस्त्र प्रहरी निरीक्षक सबुरलाल चौधरी कलैया नगरपालिका-७ के कैलाश दास तत्माके गाँजासहित गिरफ्तार कएलगेल जानकारी देलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन