Monday, October 03, 2011

चारि बुँदेके राष्ट्रघाती कहयबलाके प्रतिवाद कएल जाएत


१६ आसिन, काठमाडौँ । प्रमुख सत्तारुढघटक एकीकृत नेकपा माओवादीके संस्थापन पक्ष आ सत्तागठबन्धनमे आबद्ध मधेसी मोर्चाबीच चारिबुँदे सहमतिके राष्ट्रघाती आरोप लगाबयबलाके प्रतिवाद करयके सहमति भेल अछि ।

प्रधानमन्त्रीक सरकारी निवास बालुवाटरामे आइ भेल माओवादी आ मोर्चा घटकसबबीचक बैसारसँ ओहन निर्णय केलक अछि । चारि बुँदेके जेना राष्ट्रघाती कहि कऽ प्रचारवाजी कएल गेल अछि, ओइप्रति आपत्ति जनबैत प्रतिवाद करयके बात भेल अछिप्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार रामिरझन यादव बतौलनि ।

बैसारसँ सहमति विरुद्ध उठल आवाजके जवाफ दैत ओइके पालनाके लेल दृढतापूर्वक आगु बढ्यके निर्णय भेल अछि । बिमशृमे कांग्रेस-एमाले सहितक विपक्षीके अहसयोगके बावजुद शान्ति प्रक्रियाके केना कऽ आगु बढाओल जाए विषयमे समेत बिमर्श भेल बताओल गेल अछि ।

प्रधानमन्त्रीक प्रमुख स्वकीय सचिव गंगा श्रेष्ठ बैसारमे शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणक बिषयमे सत्तागठबन्धनमे रहल दलसबबीच न्यूनतम सहमति कायम करयके विषयमे बिमर्श भेल बतौलनि ।

बिमर्शमे माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड’, उपाध्यक्ष एवं प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई आ मधेसी मोर्चाक फोरम लोकतान्त्रिक, फोरम गणतान्त्रिक, तमलोपा, तमलोपा नेपाल, सदभावना पार्टी आ संघीय सदभावनाक शीर्ष नेतासब सहभागी छलथि ।

अहिबीच प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई दशमीक अवसरमे आइ साँझ बालुवाटारमे चायपान कार्यक्रमक आयोजना कएने छथि । चायपानमे संधिवानसभामे प्रतिनिधित्व कएनिहार सब दलक प्रमुख नेता, संधिवानसभाक अध्यक्ष सहितकके बजाओल गेल प्रधानमन्त्रीक निजी सचिवालय जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन