Tuesday, October 11, 2011

एनआरएन उम्मेदवारसब चुनाव प्रचारमे ब्यस्त


२४ आसिन, काठमाण्डौ । काल्हिसँ  सुरु होबयबला गैरआवासीय नेपाली संघ-एनआरएन के पाँचम बिश्व सम्मेलनके लेल काठमाण्डौंमे जम्मा भेल बिश्वभरिके नेपालीसबहक चुनावी महल गरमाएल अछि ।

चुनावके पूर्वसन्धयामे बिभिन्न ५३ टा देशसबसँ नेपालमे आएल अधिवेशन प्रतिनिधिसब कुन उम्मेदवारके सहयोग करयके बिषयमे समुह समुहमे बिमर्श कऽ रहल अछि । अध्यक्ष, उपाध्यक्ष, महासचिव, कोषाध्यक्ष तथा क्षेत्रीय संयोजकके पदमे बिभिन्न देशमे रहयबला एनआरएनसब अहिसँ आगुए अपन अपन उम्मेदवारी एजेण्डा सहित घोषणा केने कारण उम्मेदवारीके औपचारिक दर्ता आगुए चुनावी माहौल गरमाएल अछि ।

अध्यक्षमे वर्तमान अध्यक्ष देवमान हिराचन आ उपाध्यक्षमे जीवा लामिछाने उम्मेदवारी देलनि अछि तऽ दु उपाध्यक्षके लेल बिभिन्न देशके चारि गोटे, महासचिवके लेल दु गोटे आ कोषाध्यक्षके लेल तीन गोटे उम्मेदवारी देलनि अछि ।

हिराचनके उम्मेदवारी फिर्ता लेबय लगा कऽ जीवा लामिछाने सहित सव टीम सर्वसम्मतसँ चयन करयके सेहो प्रयास भऽ रहल अछि ।

अहिबिच बिभिन्न देशसँ एनआरएन सम्मेलनमे सहभागी होबय आएल प्रतिनिधिसबहक दर्ता करयके अन्तिम समय आइ साँझ ५ बजेधरि रहल अछि । ५३ देशसँ करिव ८ सय प्रतिनिधिके दर्ता कराबयके अनुमान एनआरएन सचिवालय केने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन