Tuesday, October 11, 2011

बेपत्ता नागरिकके परिवारसँग प्रधानमन्त्रीक भेट


काठमाडौ, आश्विन २४ । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईसँग सहिद, घाइल तथा बेपत्ता नागरिकके परिवार आइ भेट कऽ बेपत्ता नागरिक खोजबिन आयोग आ सत्य निरुपण तथा मेलमिलाप आयोग गठन करय माँग केलक अछि।  

प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे भेल भेटमे ओसब सरकार शान्ति सम्झौताके मर्मअनुरुप अखनधरि ओ आयोग गठन नहि भेल शिकायत कएने छल।  

प्रधानमन्त्री भट्टराई द्वन्द्वके क्रममे भेल मानव अधिकारक उल्लङ्घन करयबलाके कारबाही करय सरकार तयार रहल राज्यद्वारा बेपत्ता योद्धा परिवार समाजक अध्यक्ष एकराज भण्डारी बतलनि ।

गणतन्त्रके स्थापना करय लेल सहिद बहेने खुनके मूल्य कोनो हालतमे बर्बाद होबय नहि देब बतबैत प्रधानमन्त्री भट्टराई सहिद तथा ओकर आश्रित परिवारके राज्यके दिससँ उचित राहतके व्यवस्था करयके जानकारी करौने भेटमे सहभागी भण्डारी बतौलनि ।

भण्डारीके अनुसार प्रधानमन्त्री राजनीतिक दलसबहक बीचमे सहमति होबय नहि सकलासँ बेपत्ता खोजबिन आयोग आ सत्य निरुपण आयोग बनय नहि सकल बतौलनि अछि ।

सरकार राहतमे समानता कायम करयके उद्देश्य अनुरुप प्रत्येक वर्ष राहत रकममे वृद्धि करैत ल जाऽ रहल आ इ क्रम निरन्तर आगु बढत प्रधानमन्त्री बतौलनि ।

भेटमे करिब २ सय गोटे सहिद, बेपत्ता तथा घाइल परिवारके सदस्यसब सहभागी छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन