Tuesday, October 11, 2011

मन्त्री साहविरुद्ध छानबिन मिसिल पुलिसके बुझाओल गेल


वीरगन्ज, आश्विन २४ । भूमिसुधार तथा व्यवस्थामन्त्री प्रभु साह समेतके संलग्नता रहल कहलगेल काशी तिवारी हत्या प्रकरणके मिसिल पुलिस जिल्ला न्यायाधिवक्ता ओमप्रसाद अर्यालके बुझौलक अछि ।

पुलिस मिसिल बुझैबती पर्सा न्यायाधिवक्ता अर्याल 'औपचारिक रूपमे नहि आएल' दाबी केलनि अछि ।

प्रहरी उपरीक्षक रमेश खरेल आवश्यक थप अनुसन्धान सहित मिसिल बुझौने बतौलनि । पुलिस मन्त्री साह, हुनक स्वकीय सचिव सियाराम कुशवाहा आ अमनके अभियुक्त बना मुद्दा दायर करय अनुसन्धान प्रतिवेदन सरकारी वकिलके बुझौलक अछि । हातमै मिसिल दैतो न्यायाधिवक्ता अर्याल 'औपचारिक रूपमे  नहि पौअने  पत्रकारके प्रतिक्रिया देलाबाद प्रहरी अधिकृत निराश देखल गेल छल ।

पुलिस बुझौने प्रतिवेदनमे तिवारी हत्या प्रकरणमे मन्त्री साह योजनाकार देखलगेल उल्लेख अछि । पुलिस बितल १० गते प्रतिवेदन पेस करितो जिल्ला सरकारी वकिलके कार्यालय ६ बुँदामे थप अनुसन्धान करयके कहैत मिसिल फिर्ता पठौने छल ।

बितल भादव २१ मे गिरफ्तार भेलाबाद अमन बाराके सिमरास्थित वाईसीएल क्याम्पमे प्रभु आ सियारामसँग बनौने योजना अनुसार दु लाख रुपैयाँ नगदके सम्झौतामे अपने बाइक चलौने आ पबछु बैसल सियाराम तीन गोली मारि कऽ तत्कालीन हिन्दु युवा संघक अध्यक्ष तिवारीके हत्या केने बयान देलक अछि । बितल भादव १० मे सरकारी वकिलके बयान देबयके क्रममे सेहो अमन मन्त्री साहके संलग्नता रहल बतौने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन