कास्की, आश्विन २४ । नेकपा एमालेक महासचिव ईश्वर पोखरेल अगहन १४ मे सेहो संविधान निर्माण नहि हाएत दाबी कएलनि अछि । ओ संविधान निर्माणक लेल कोनो उपलब्धी होबय नहि सकलासँ तोकल मितिमे संविधान नहि बनत दाबी केलनि अछि ।
एमाले क्षेत्र नम्बर ३ आइ पोखरामे केने पत्रकार भेटघाट कार्यक्रममे बजैत एमाले नेता पोखरेल शान्ति प्रकृया पुरा करय ठोस उपलब्धी किछ नहि भेलासँ संविधान नहि बनत जिकीर कएलनि ।
'लडाकु व्यवस्थापन सहितक मुद्धामे माओवादी जिम्मेवार नहि देखलगेल अछि कहैत ओ 'माओवादीके शान्ति प्रंकृयामे इमान्दार नहि होबयधरि संविधान निर्माण नहि हाएत बतौलनि ।
ओ अगहन १४ मे संविधान निर्माण नहि हाएत तऽ सब जिम्मा माओवादीके लेबय परत कहैत कांग्रेस आ एमाल ओइके भागी नहि हाएत बतौलनि ।
अगहन १४ बाद माओवादीके अतिवादी सोचके कारण देशमे गम्भीर संकट उत्पन्न होबय सकयके तर्फ संकेत कएलनि ।
No comments:
Post a Comment