Saturday, November 05, 2011

पर्यटकके उद्धारमे सैनिक विमान प्रयोग कएल जाएत


काठमाडौ, कार्तिक १९ । खराब मौसमके कारण हवाई सेवा अवरुद्व भऽ क लुक्लामे रहय बाध्य विदेशी पर्यटकके उद्धार करय नेपाली सेनाके एम आई १७ हेलिकप्टर प्रयोग कएल जाएत ।

पर्यटन बोर्ड आ पर्यटन व्यवसायी सैनिक मुख्यालयमे अनुरोध कएलाबाद ओ हेलिकप्टर पर्यटकके उद्धारक लेल प्रयोग कएल जाएत बताओलगेल अछि ।

ट्रेकिङ एसोसिएसन अफ नेपालक कोषाध्यक्ष अञ्जान कुमार थापा आइ मौसममे सुधार अबिते ओ हेलिकप्टर लुक्ला जाऽ क रोगी तथा अन्तर्राष्ट्रिय उडानमे जाएबला पर्यटकके प्राथमिकता देख कऽ ओकरासबके काठमाडौँ लाओल जाएत बतौलनि ।

कोषाध्यक्ष थापा ओ हेलिकप्टर भाडामे लेने वापत आइ २० लाखके चेक सेनाके खातामे जम्मा केने जानकारी देलनि । 


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन