Saturday, November 05, 2011

प्रधानमन्त्री मुग्लिङके होटलके केलनि अनुगमन


गोरखा, कार्तिक १९ । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई आइ भिन्सर धादिङके राजमार्गके होटलको निरीक्षण कएलनि अछि ।

 गृहजिल्ला गोरखा जाएके क्रममे ओ मुग्लिनके होटल तथा रेष्टुरेण्टसबके आकस्मिक निरीक्षण कएलनि अछि । ओ मुग्लिनमे रहल रुप्सी रेष्टुरेण्ट एण्ड लज आ थकाली भान्साघरक निरीक्षण कएलनि ।

प्रधानमन्त्री होटलके भानस घर आ शौचालयके समेत निरीक्षण कएलनि तऽ होटलके ग्राहकसबसँग खाना आ सरसफाईबारे जानकारी लेलनि । निरीक्षणके बाद ओ होटल सञ्चालकसबके मूल्यसूची अनिवार्य राखय तथा होटलके सरसफाईमे ध्यान देबय निर्देशन देलनि ।

प्रधानमन्त्री भट्टराई आइ भिन्सरे चितवनके फिस्लिङमे किछदिन आगु टुटल झोलुङ्गे पुलक निरीक्षण कएलनि । वायह क्रममे हुनका स्थानीयवासीसब तीन बुँदे ज्ञापन पत्र सेहो बुझौने छल ।

पुल टुटलाबाद घाइल भेल दु गोटेके इलाज सरकार करत घोषणा करैत ओ पुल टुटि कऽ वेपत्ता भेलसबके खोजि सरकार कऽ रहल जानकारी देलनि ।

अहिबिच संविधानसभाक निर्वाचनमे बिजयी भेलाबाद मासिक गोरखा पहुँचयके बचन देने प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई आइ ४६ हम् बेर गोरखा पहुँचल छथि ।

आइए काठमाडौं घुरबाक कार्यक्रम रहल प्रधानमन्त्री भट्टराईके जिल्लामे आधा दर्जन छोट छोट कार्यक्रममे सहभागी होबयके कार्यक्रम तय रहल स्वकीय सचिव फडिन्द्र देवकोटा बतौलनि । देवकोटाके अनुसार प्रधानमन्त्री कर्मचारी भेटघाट तथा निर्देशन, कार्यकर्ता भेटघाट, शहिद स्मृति सभामे सम्वोधन, विकास निर्माणके लेल डेलिकेशनके टोलीसँग भेटघाट सहितक कार्यक्रममे व्यस्त रहताह ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन