Saturday, November 05, 2011

माओवादीभितर ‘पूर्वएमाले’के अलग भेला


१९ कात्तिक, काठमाडौँ । एकीकृत नेकपा माओवादीभितरके अन्तरसंर्घष बढैत गेलाबाद शान्तिप्रक्रियाके बाद माओवादीमे प्रवेश केने नेता-कार्यकर्तासब सेहो अलग भेला करय लागल अछि ।

याह सिलसिलामे एमाले, माले होइत माओवादीमे प्रवेश केनेसब राजधानीमे अलगे भेला केलक अछि । स्रोतक अनुसार एमालेसँ माओवादीमे प्रवेश केने भीमबहादुर कडायत, डिल्लीराज खनाल, शिवराज गौतम सहितकसब एहन अलगे भेला केलनि अछि । अपनासबके जनयुद्धसँ आएलसब चैतेकहैत अपमानित केने आ पाछु पारयके प्रयत्न केने कहैत पूर्वएमाले कार्यकर्तासब माओवादीमे अलगे समूह बनाबयके आवश्यकतामे जोड देने स्रोतक कहब अछि । विशेष कऽ वैद्य पक्षक नेतासब अपनासबके बेसी इज्जत नहि केने हुनकासबहक उपराग छन्हि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन