Saturday, November 05, 2011

माओवादी कब्जा केने सम्पत्ति फिर्ता करयके निर्देशन देत


१९ कात्तिक, काठमाडौँ । एकीकृत नेकपा माओवादी सशस्त्र द्वन्द्व कालमे कब्जा केने घरजमिन सम्बन्धित व्यक्ति तथा संस्थाके फिर्ता करय आन्तरिक सर्कुलर जारी करय लागल अछि ।

सिंहदरबारमे आइ भिन्सर बैसल प्रमुख तीन दलक बैसारमे माओवादीके आइए ओइबारे आन्तरिक पार्टी पंक्तिमे सर्कुलर करयके सहमति भेल अछि । बितल मंगलके राति भेल सातबँदे सहमतिके छठम् नम्बर बुँदामे आगामी ७ अगहनधरिमे कब्जा घरजमिन सम्बन्धित पक्षके हस्तान्तरण भऽ जाएके उल्लेख अछि । अहिना माओवादी पूर्वसहमति अनुसार सामूहिक रुपमे रहिरहल वाइसिएलके सदस्यसबके तत्काल क्याम्प खाली करयके सेहो निर्देशन देबयके निर्णय भेल एमाले नेता भीम रावल जानकारी देलनि । सहमतिमे उल्लेख भेल अनुसार उच्चस्तरीय राजनीतिक संयन्त्र तत्काल गठन नहि होबयबला अछि । बैसारसँ राजनीतिक सहमति नहि जुटाबयके काममे अहिसँ आगु बितल २ आसिनमे गठित तीन दलीय कार्यदलके सक्रिय बनाबयके निर्णय केने अछि । कार्यदलमे माओवादीसँ वर्षमान पुन, कांग्रेससँ रामशरण महत आ एमालेसँ भीम रावल अछि । बैसारमे सातबुँदे सहमति बाद विकसित पछिला राजनीतिक अवस्था, सहमति कार्यान्वनमे भेल प्रगति तथा माओवादीक मोहन बैद्य समूह केने विरोध सहितक विषयमे बिमर्श भऽ रहल एक नेता जानकारी देलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन