Wednesday, November 16, 2011

मलेसियमे नेपाली कामदार आन्दोलित


३० कातिक क्वाललम्पुर । मलेसियामे कार्यरत नेपाली कामदार अपनासब उपर अपमान भेल कहैत आन्दोलनमे उतरल अछि ।

जोहोर वातुपहातमे रहल रामाटेक्स कम्पनीमे कार्यरत नेपाली श्रमिकसब अपनासब उपर भेल अपमानके विरोधमे श्रमिकसब आइ भिन्सरेसँ कामकाज ठप्प कऽ आन्दोलनमे उतरल अछि । रामाटेक्स कम्पनीमे कार्यरत महोत्तरीके पञ्च शाह उपर कम्पनी मालिक अभद्र व्यवहार केने विरोधमे नेपाली श्रमिक आक्रोशित भेल अछि ।

काममे व्यस्त रहल समय शाहके कम्पनीके साहु कम्पनीमे रहल पाथर फेकयमे अबेर केने आरोपमे कम्पनी मालिक दु थप्पड मारयके सँगहि ओ पिव रहल सिगरेट मुहँमे लऽ जाऽक सटादेने वायह कम्पनीमे कार्यरत दोसर नेपाली सूर्यकुमार रेग्मी बतौलनि ।

अहिबीच कम्पनी मालिक केने दुव्र्यवहार विरुद्ध नेपाली केने आन्दोलनमे भियतनामी आ वंगलादेशी श्रमिकसब सेहो ऐक्यबद्धता जनौने अछि । आन्दोलन भडकलाबाद अखन कम्पनीमे पैघ संख्यामे पुलिसके परिचालन कएलगेल अछि । सब श्रमिकसब कम्पनीके आवास गृहमे एकतृत भऽ बैसल अछि ।

अपनासबहक आन्दोलनके बारेमे नेपाली श्रमिकसब ओइठाम स्थित नेपाली दूतावासके जानकारी करौलक अछि । श्रम सहचरी सूर्यप्रसाद भण्डारी अपने कम्पनीमे जाऽ  समस्या समाधान करयके प्रतिबद्धता जनौलनि अछि । टेक्सटाईल उत्पादन हवबयबला ओ कम्पनीमे करिब एक हजारसँ बेसी नेपाली ३ सय ५० भियतनामी आ ६० बंगलादेशी कार्यरत अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन