Monday, November 28, 2011

सहमतिमे आबयके विकल्प नहि अछिः सूचना तथा संचार राज्यमन्त्री साह


नागेन्द्र कर्ण
जलेश्वर, अगहन १२ । सूचना तथा सञ्चार राज्य मन्त्री सुरिता कुमारी साह आव राजनीतिक दलसबके संविधान निर्माणक लेल सहमतिमे आबयके विकल्प नहि रहल बतौलिह अछि ।
 
नेपाल पत्रकार महासंघ महोत्तरी शाखाद्वारा आइ जलेश्वरमे आयोजित एक कार्यक्रममे बजैत ओ आब संविधानसभाक म्याद अन्तिम समयके लेल बढाबय लगलासँ संविधान निर्माणक लेल सहमति जरुरी रहल बतौलिह । शान्ति प्रक्रिया सहितक राज्य पुर्नसंरचना आयोग समेत गठन भऽ चुकलासँ दलसबके संविधान निर्माणक कामके आगु वढाबयके आजुक आवश्यकता रहल ओ बतौलिह । राज्यमन्त्री साह अखने सँ दलसबके गम्भीरता पूर्वक संविधान निर्माणमे जुटय परत बतौलिह ।

मधेशी जनअधिकार फोरम गणतान्त्रिकके नेतृ तथा राज्यमन्त्री साह सूचना आ सञ्चारक विकास आवश्यक रहलासँ महोत्तरीके सञ्चारक विकासक लेल अपने क्रियाशिल रहब वतौलिह ।

कार्यक्रममे नेपाल पत्रकार महासंघ महोत्तरी शाखाक अध्यक्ष हरिप्रसाद मण्डल महोत्तरीके सञ्चारक अवस्था वारे  राज्यमन्त्री साहके जानकारी करौने छलथि ।

कार्यक्रममे हुनका अध्यक्ष मण्डल सम्मान केने छलथि तऽ  ओइसँ आगु राज्यमन्त्री साह नेपाल पत्रकार महासंघ महोत्तरी शाखाक कार्यालय भवनके सेहो स्थलगत निरिक्षण कएने छलिह 

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन