Monday, November 28, 2011

कम तौलक ग्याँस बिक्री भऽ रहल


१२ अगहन जनकपुरधाम ।  सरकारी निकायक अनुगमनके चुनौति दैत जनकपुरमे खाना बनाबएबला एकटा ग्यास दोकानसँ ग्यास सिलिण्डर बिक्रिमे अनियमितताक समाचार प्राप्त भेल अछि।
जनकपुरक माछ बजार स्थित कोशी ग्यासके डिलर गीता ट्रेडर्स नामक दोकानसँ खरिदल गेल सिलिण्डरमे अनियमितता देखलगेल एकटा ग्राहक बतओलन्हि अछि।जनकपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ७ क एकटा ग्राहक जानकी राम साह आ दोसर बिरेन्द्र साह काल्हि  खरिद कएलगेल दु टा सिलिण्डरमे अत्याधिक मात्रामे कम ग्यास देखलगेल अछि।
दु टा सिलिण्डरमेसँ एकटामे ५ किलो आ एकटामे ४ किलो ग्यास कम रहल साह जानकारी देलन्हि अछि साहक अनुसार ओहि दोकानसँ बेर बेर एहि प्रकारक काज होइत आएल अछि एहि विषयमे पुलिसके जानकारी देलाक बाद पुलिस एहि विषयमे सहि तथ्य  अनुसन्धान करबालेल अनिल चौधरीके नियन्त्रणमे लेलगेल बुझबामे आएल अछि।हिना ग्राहक  साह एहि विषयमे जनकपुर उधोग वाणिज्य संघमे सेहो जानकारी करओने बुझबामे आएल अछि।
एम्हर गीता ट्रेडर्सके संचालक अरुण कुमार ठाकुरक पुत्र प्रशान्त कुमार ठाकुर ओ दुनु सिलिण्डर हुनका दोकानसँ खरिद नइ कएलगेल दावा कएलन्हि अछि यदि सिलिण्डर ओहि दोकानसँ खरिद कएलगेल अछि तऽ बील देबएलेल ठाकुर चुनौति देलन्हि अछि एम्हर किछु ग्राहकसभक अनुसार ग्यास सीलिण्डर लैतकाल डिलरसभ बिल नइ देल करैत अछि।
ओम्हर जनकपुर उद्योग बाणिज्य सँघक एसोसिएट सदस्य समेत रहल जानकी राम साहक अनुसार ग्याँस ब्यबसायी सँघक अध्यक्ष मनोज चौधरी आ गिता ट्रेडर्सके कर्मचारीके रोहबरमे ओ ग्याँसक सिलिण्डरके तौल करैत काल कम ग्याँस रहल पाओल गेल छल ।  तहिना ओ ग्याँस ब्यापारीसबसँ ग्याँस सिलिण्डर खरिद करैत काल भ्याट बिल लेबय सेहो अपिल कएलनि अछि ।
ठाकुरके अनुसार जनकपुरमे कोशी ग्यासके तीनटा डिलर छैक आ ओ शंकास्पद सिलिण्डर कतहसँ लेलगेल एकर प्रमाणलेल बिल देनाई जरुरी छैक ठाकुरके कहब छलन्हि ।ठाकुरके अनुसार हुनकर करोडोके व्यापार छन्हि आ ओ प्रत्येक ग्राहकके ग्यास बिक्रि करैत काल बिल उपलब्ध कराएल करैत छथि।संचालक अरूण ठाकुरसँ सम्पर्क कएला पर एखन ओ जनकपुरसँ बाहर रहल बुझबामे आएल अछि।
ग्राहकसभक तर्फसँ बेर बेर एहि प्रकारक शिकायत अओलाक बादो स्थानीय प्रशासनद्धारा कडा कदम नइ उठलासँ सर्वसाधारण पिडा भोगए पर वाध्य अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन