Monday, November 28, 2011

६ टा शिविरमे लडाकु पुनवर्गीकरण आइ सम्पन्न भऽ रहल


१२ अगहन, काठमाडौँ । कैलालीके तालबन्दस्थित सातम डिभिजन बाहेक अन्य ६ टा शिविरमे बितल अगहन ३ गतेसँ जारी माओवादी सेनाक लडाकुसबहक पुर्नवर्गीकरण कार्य आइ सम्पन्न भऽ रहल अछि ।

कैलालीके तालबन्दस्थित सातम् डिभिजनबाहेक ६ टा मे आइ बेरियाक ५ बजेधरिमे वर्गीकरणके काम सम्पन्न भऽ जाएत सेना समायोजन विशेष समिति अन्तर्गतक सचिवालय संयोजक बालानन्द शर्मा जानकारी देलनि ।

सिन्धुलीके दुधौलीस्थित पहिल डिभिजन, इलामके चुलाचुलीस्थित दोसर डिभिजन, चितवनके शक्तिखोरस्थित तेसर डिभिजन, नवलपरासीके झ्यालटुङ डाँडास्थित चारिम डिभिजन, रोल्पाके दहवनस्थित पाँचम डिभिजन आ सुर्खेतके दशरथपुरस्थित छठम् डिभिजनमे आइ बेरियाधरिमे वर्गीकरणके काम सम्पन्न होबय लागल अछि ।

मुदा तालबन्दमे थारुवान तराई पार्टी सहित विभिन्न सात टा जातीय समूह केने ४ दिना आम हड्तालक कारण लडाकु मुख्य शिविरसँ लाबयमे समस्या अएलासँ वर्गीकरण सम्पन्न होबय नहि सकल अछि । शर्माक अनुसार ३ हजार ३ सय १० लडाकु रहल तालबन्दमे करिब १८ सयके वर्गीकरण सम्पन्न भऽ चुकल अछि । हुनका अनुसार काल्हि धरिमे १४ हजार ५७ गोटे लडाकुके वर्गीकरण सम्पन्न भऽ चुकल अछि ।

सात मुख्य आ २८ सहायक शिविरमे कऽ अनमिनसँ प्रमाणीकरणमे परल १९ हजार ६ सय २ माओवादी लडाकु अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन