Monday, December 05, 2011

भट्टराइएके नेतृत्वक सरकार आवश्यकः ठाकुर


नागेन्द्र कर्ण
जलेश्वर, अगहन १९ । तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक केन्द्रीय अध्यक्ष महन्थ ठाकुर शान्ति प्रक्रिया पुरा नहि होबयधरि वावुराम भट्टराइएके नेतृत्वक सरकारक आवश्यकता रहल बतौलनि अछि ।

जलेश्वरमे आयोजित एक पत्रकार सम्मेलनमे पत्रकारसबसँग बातचित करैत अध्यक्ष ठाकुर अखन भट्टराइएके नेतृत्वमे राष्ट्रिय सहमतिक सरकारक आवश्यकता रहल बतौलनि ।

ओ नेतृत्व परिवर्तनके विवादसँ मुख्य एजेण्डा ओझराहटमे परय सकलासँ मोर्चा एहन धारणा बनौने बतबैत अध्यक्ष ठाकुर शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माण एखुनक मुख्य एजेण्डा भेल स्पष्ट कएलनि ।

पत्रकारसब वेपत्ता आयोग, सत्यनिरुपण आयोगसब बनय नहि सकल सम्बन्धि केने प्रश्नक जवाफमे अध्यक्ष ठाकुर आब सत्यनिरुपण आयोगसब नयाँ शक्ति आ पुरान शक्तिसबके मिला कऽ बनाबयके धारणा रखलनि मुदा  नयाँ शक्तिबारे ओ किछ नहि कहलथि । अहिना बालकृष्ण ढुँगेलके आममाँफी देबयके सरकारक निर्णय समेत गलत रहल प्रतिक्रिया दैत ओ कारागारमे नहि रहल आदमीके आममाफी देनाइ गलत रहल धारणा रखलनि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन