Monday, December 05, 2011

‘प्रधानमन्त्रीक ‘व्यक्तिगत’ पहलमे शान्ति प्रक्रिया आगु नहि बढल अछिः महत’


काठमाडौं, अगहन १९ । कांग्रेस नेता रामशरण महत प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके ‘व्यक्तिगत’ पहलमे शान्ति प्रक्रिया आगु बढौने भ्रम मात्र रहल आरोप लगौलनि अछि ।

 नेता महत शान्ति प्रक्रिया प्रारम्भ मात्र भेल उल्लेख करैत अहिमे चित्त बुझाबयके अवस्था नहि रहल जिकिर कएलनि । ओ लडाकुसब समायोजन, पुनःस्थापना आ स्वैच्छिक अवकासमे गेलाबाद मात्रे इ पुरा हाएत बतौलनि।

महत शान्ति प्रक्रियाके गति नहि लेबयधरि भट्टराई नेतृत्वक सरकार निरन्तरता पाओत उल्लेख कएलनि । माओवादी आ एमाले २–दु बेर सरकारक नेतृत्व कऽ चुकल कहैत ओ कहलनि, ‘आब स्वभाविके रुपसँ हमरसबहक दाबी अछि ।’

पूर्वअर्थमन्त्री महत आर्थिक सुशासनके दृष्टिसँ वर्तमान सरकार अखनधरिके ‘सर्वोत्कृष्ट भ्रष्ट’ भेल आरोप लगौलनि
साक्षात्कारमे एमाले उपाध्यक्ष विद्यादेवी भण्डारी भट्टराई सरकार गलत सहमतिमे बनलासँ अपन पार्टी सरकारमे नहि जाएत दाबी केलिह ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन