Monday, December 05, 2011

बन्दक दोसर दिन नक्सली रेलवेके पटरीमे केलक बिष्फोट


१९ अगहन धनबाद । नक्सलीद्धारा आह्यावान कएल गेल २ दिवसिय बन्दक आइ दोसर दिन नक्सलीसब धनबाद रेल प्रखंडमें बिष्फोट कऽ रेलके पटरीके उड़ा देलक अछि । जाहि कारण झारखंडमें रेल यातायात अस्त व्यस्त भेल अछि ।

नक्सली नेता किशनजीके मृत्यु के विरोध कएल गेल बन्दक आह्यवानके बिच नक्सलीसब रेलवे ट्रैकके उडाबयके सँगही  पलामूमें एकटा ब्लॉक ऑफिसमे आगि सेहो लगा देलक अछि ।

नक्सलीसब आइ झारखण्डके धनबादमें मतारी लग विस्फोट कऽ रेलवेके पटरी उडादेने अछि जाहि कारण दिल्ली-हावड़ा रेलमार्ग अबरुद्ध भेल अछि ।

प्रखंडीय संचालन प्रबंधक वेद प्रकाशके अनुसार नक्सली बितल राति निशीतपुर आ मतारी रेलवे स्टेशनके बीचमे परयबला रेलके पटरी पर विस्फोट करौने छल ।

विस्फोटके बादसँ विभिन्न स्थान पर तीससँ बेसी रेल जकथकमे परल अछि आ ओइमेसँ किछके दोसर रास्ता होइत पठाओलगेल अछि । पटरीके मरम्मतके काम अखन चलि रहल अछि ।
  
अहिबीच लंबा दूरीके बस आ ट्रकसब सेहो आइ चलय नहि सकल अछि तऽ  बंदक कारण राष्ट्रीय राजमार्ग आ अन्य महत्वपूर्ण इलाकामें पुलिस गश्ती कऽ रहल अछि ।

ओम्हर नक्सली बिहारके पूर्वी चंपारण जिलाके फेनहारा थाना अंतर्गत राजपुर काल-मरपा कोरी टोला अवस्थित एक मोबाइल फोन टावरके शेल्टर रुममें बितलराति  पेट्रोल छिट कऽ आगि लगा देलक अछि । जाहिसँ ओतयके सम्पुर्ण उपकरणसब जरि कऽ नष्ट भेल अछि ।

फेनहारा थानाध्यक्ष सुभाष कुमारके अनुसार गांवमें करीब ७० गोटेके संख्यामें आएल नक्सली अगिलगि केने छल । ओकरबाद सँ पुलिस धर पकड आ छापामारी शुरु कऽ देने अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन