Tuesday, December 27, 2011

वैद्यके फरक प्रस्ताव प्रस्तुत, बैसार काल्हिधरिके लेल स्थगित


काठमाडौ, पुस १२ । माओवादी केन्द्रीय समितिक जारी बैसार काल्हिधरिके लेल स्थगित भेल अछि ।

माओवादी उपाध्यक्ष मोहन वैद्य बैसारमे प्रस्तुत केने फरक राजनीतिक प्रस्ताव अध्ययनके लेल बैसार स्थगित कएलगेल अछि ।

उपाध्यक्ष वैद्य आजुक बैसारमे अपन अलग राजनीतिक प्रस्ताव प्रस्तुत केलनि अछि । ओ प्रस्ताव अध्ययनके लेल सदस्यसब समय मँगलाबाद बैसार स्थगित कएलगेल अछि ।

वैद्य शान्ति आ संविधान निर्माणक प्रक्रिया सम्पन्न होवयके सम्भावना क्षिण होइत गेल निष्कर्ष सहितक अलग प्रस्ताव पेस केलनि अछि । जारी शान्ति प्रक्रिया आ संविधान मार्फत पार्टी लेने क्रान्ति पूरा नहि हाएत, पार्टीके प्रधानसत्रु भारत रहल आ वर्तमान सरकारक औचित्य समाप्त भऽ चुकल सहितक विषय वैद्यके प्रस्तावमे रहल प्रवक्ता दीनानाथ शर्मा बतौलनि ।  अहिसँ आगु अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रस्तुत केने प्रस्तावमे वैद्य फरक प्रस्ताव पेश केलनि अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन