Thursday, December 22, 2011

डाँकुद्वारा एक गोटेके हत्या, लाखौंके लुटपाट


सिरहा, पुस ७ हतियारधारी डाकुसबहक एक समूह सिरहाके बेल्हा ३ स्थित घरसँ १० लाखसँ बेसीके लुटपाट केलक अछि । डाँकुसब स्थानीय एक युवाक हत्या सेहो केलक अछि तऽ  अन्य ६ गोटे घाइल सेहो भेल अछि

बेल्हा ३ क रघुनाथ साहक १५ वर्ष बेटा सुरेश साहक डाँक चलौने गोली लागि कऽ मृत्यु भेल अि माथमे गोली लागि घाइल भेलाबाद इलाजक लेल सिरहा लऽ जाएके क्रमम साहक मृत्यु भेल अि

वायह ठाक शिवनाथ साह, हुनक कनिया सुनिता साह, जोगिन्द्र साहक बेटा प्रमोद साह, बेटी गितादेवी साह, गिताक १२ बर्ष बेटी चान्दनी साह ७ वर्ष बेटा चन्दन साह गम्भीर घाइ ेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिरहा जनौलक अि । डाकुसब प्रहार कने धरगर हतियार बमक छर्रासँ ओसब घाइ ेल अछि ओकरसबहक जिल्ला अस्पताल सिरहाम इलाज ऽ रहल अछि

बितल राति २ वजेक समयम ७/८ गोटेके समूहम आए हतियारधारी डाकुसब जोगिन्द्र साहक घरके केबार तोरि कऽ  हुनक  भाइक घरम दु घण्टाधरि डकैती केने पिडितसब बतौलक अछि । स्थानीय गौवासब डाकुसँग एक घण्टाधरि प्रतिकार करितो २ सय मिटरक दुरीम मात्र रह पुलिस चौकी;सँ पुलिस घटना स्थलमे पहुँचय नहि सकल ।

अहिबीच, आक्रोशित स्थानीयबासी पुलिस चौकी बेलहा आगु टायर बारि कऽ प्रदर्शन केलक अछि । आक्रोशित भिड पुलिस चौकीम आक्रमण कऽ आगि  लगावयके प्रयास केलाबाद पुलिस आधा दर्जन हवाई फायर केलक अछि तऽ  ओतयके अबस्था तनाबग्रस् अछि

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन