Thursday, December 29, 2011

दलित सभासद आ अधिकारकर्मीके आन्दोलन फिर्ता


काठमाडौ, पुस १४ । सरकार माँग पूरा करयके आश्वासन देलाबाद आन्दोलनरत् दलित सभासद आ अधिकारकर्मीसब करैत आएल सब बिरोधक कार्यक्रम फिर्ता लेलक अछि । आइ प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई दलित सभासद आ संघ संस्था उठौने माँग पूरा करयके आश्वासन देलनि अछि ।

कालिकोटमे चुल्हा छुने आरोपमे गैर दलित व्यक्तिके पिटपाटसँ मानविर सुनारके मृत्यु भेल छल । सुनारके हत्याबाद दलित सभासदसब संसद अवरोध केने छल तऽ दलित अधिकारर्मी निरन्तर विभिन्न जिल्लासबमे बन्दक कार्यक्रम करैत आएल छल ।

आन्दोलनरत पक्ष दोषीके अधिकत्तम कारवाही, पीडित परिवारके १० लाख राहत, मृतकके शहिद घोषणा आ मृतकके बेटा बेटीके उच्च शिक्षाधरि निःशुल्क व्यवस्थान सहितक माँग रखने अछि । सभासद खड्गबहादुर विश्वकर्मा प्रधानमन्त्री अधिकांश माँग कार्यान्वयनके प्रतिवद्धता जनौने बतौलनि । शहिद घोषणा सम्बन्धमे सरकार ककरा शहिद कहल जाए विषयमे मापदण्ड बनावय लगलासँ ओइके बाद मात्रे निर्णय लेल जाएत जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन