Thursday, December 29, 2011

अदालतके निर्णयमे टिका टिप्पणी अनावश्यक'


इलाम, पुस १४ । सर्वोच्च अदालत संविधान सभाके म्याद सम्वन्धमे निवदेन दर्ता नहि केलाबाद कडा आलोचना भऽ रहल समय नेकपा एमालेके उपाध्यक्ष विद्यादेवी भण्डारी अदालतके निर्णयप्रति अनावश्यक टिकाटिप्पणी केनाइ  आवश्यक नहि रहल वतौलिह अछि ।

आइ भिन्सर इलाममे पत्रकारसबसँग बातचित करैत भण्डारी अदालतके निर्णय विपरीत राजनीतिक दल चाँखि लऽ क आ टिप्पणी कऽ क अधिनायकवाद लाद्न खोज्ने आरोप लगौलनि । ६ महिना भितर संविधान बनावय सबके एकजुट भऽ क लागय परत कहैत एमाले नेतृ भण्डारी नहि तऽ ताजा जनादेशके लेल निर्वाचनमे जाए परत जोड देलिह ।

सेनामे कोनो राजनीतिक आस्था आ जातिय आधारमे समूहगत प्रवेश करौनाइ संविधान आ जनभावना वितपरित रहल पूर्व रक्षा मन्त्रि समेत रहल भण्डारीके कहब छलनि । 'नेपाली सेनाके राजनीतिक आ जातिय रुपमे विभाजन करय नहि चाही ओ कहलिह जे अहिसँ  बिखण्डन भऽ सकैत अछि ।'

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन