Saturday, November 21, 2009

बिबाह पंचमी मनाओल जा रहल

अगहन ६ जनकपुरधाम । रामजानकी विवाह महोत्सव आइ जनकपुरमे भब्यताक सँग मनाओल जारहल अछि । त्रेता युगमे मर्यादा पुरुषेात्तम भगवान श्रीरामचन्द्र अजुके दिन मिथिलाक राजा जनकके पुत्री जानकीस जनकपुरमे धनुष तोरि कऽ विवाह केने स्मरणमे प्रत्येक वर्ष विवाहपाचमी धुमधामसँ मनाओल जाति अछि । अहिबेरक बिबाहपन्चमीमे सेहो बिबाह महोत्सवमे सहभागी होवय लेल लाखौ श्रद्धालुसब नेपाल भारत तथा बिदेशी पर्यटकसब जनकपुर आएल अछि । बिबाह महोत्सवमे सहभागी होवय बुधदिन अयोध्यास बरियाती जनकपुर आबि गेल अछि त सम्धी मिलन तिलकोत्सव महोत्सव मटकोर सहितक अन्य विभिन्न कार्यक्रम सब सम्पन्न भचुकल अछि । आइ दिनमे बारह बिग्हा रँगभुमि मैदानमे राम जानकीक स्वँयबर पश्चात साँमुमे बिबाह कायल जाएत । तकर बाद काल्हि अयोध्यास आएल बरियातीके बिदा केला बाद बिबाह पँचमी महोत्सवके समापन हाएत । अहिस आगु २०६१ सालमे अयोध्यास एहन पैघ सँख्यामे बरियाती अएल छल ।

एम्हर सु्रक्षा ब्यबस्थाक लेल करिब ७ सय सुरक्षाकर्मी परिचालन कायल गेल जिला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनौलक अछि । जाहिमेस ५ सय नेपाल प्रहरीके आ २ सय ८० गोटे सशस्त्र प्रहरीके जवानसब परिचालन कायल गेल अछि । महोत्सवमे भऽ सकबाक घटनाके ध्यानमे राखि सुरक्षा ब्यबस्था कडा बनाओल गेल । तहिना सशस्त्र प्रहरी दिसस सादा पेाशाकमे ५० गोटे प्रहरी जवान तथा नेपाल पं्रहरी दिसस १ सय गोटे सादा पोशाकमे प्रहरी परिचालन कएलगेल अछि । अहिक्रममे विवाहपाचमी मेला ब्यवस्थापन तथा श्रद्धालुसबहक लेल जनकपुर नगर क्षँेात्रभितर ३ हजारके संख्यामे स्वंयसेवक परिचालन कएलगेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनौलक अछि ।

रायलतश्र

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन