Wednesday, October 20, 2010

राष्ट्रपति डा। रामबरण यादब राजनितिक गतिरोधक निकास तत्काले नै निकलत त देशके अबस्था दलसबहक नियन्त्रणस बाहर जा सकबाक खतरा रहल बतौलनि अछि ।

प्रधानमन्त्री सहित काल्हि प्रमुख ३ दलसँग भेल भेटघाटक क्रममे ओ अहिके लेल चिन्तित रहय सबस अपिल कयलनि । राष्ट्रपति यादब प्रधानमन्त्री माधब कुमार नेपाल माओवादी अध्यक्ष पुष्प कमल दाहाल काँग्रेस सभापति सुशिल कोइराला आ एमाले अध्यक्ष मुलनाथ खनालके काल्हि शितल निवासमे बजाक सचेत करबैत गतिरोधक निकास जल्दिए खोजय आग्रह केने छलथि ।

ुुुु।

सर्लाहीमे अज्ञात समुह बितलराति गोली मारिक एक बृद्धके हत्या केलक अछि । जिल्ल्ाा प्रहरी कार्यालय सर्लाहीके अनुसार सिसौट गाबिस ४ के ७० बर्षक बृद्ध सोनेलाल साहक हत्या भेल अछि ।

घरक बरण्डामे सुतल अबस्थामे अज्ञात समुह माथमे गोली मारिक साहके हत्या केने पुलिस बतौलक अछि । हत्या केने आशँकामे पुलिस ३ गोटेके नियन्त्रणमे ल छानबिन करहल प्रहरी नायब उपरिक्षक युव नारायण बैद्य जनौलनि अछि ।

अहिना बितलराति बर्दियाके शिबपुर गाबिसमे जँगली हातीके आक्रमणस एक बृद्धके मृत्यु भेल अछि । हातीके आक्रमणस शिबपुर १ के मोतिपुरक ५१ ब्ार्षक पार्वती मिजारके मृत्यु भेल अछि । अपन आँगनमे रहल अन्न बाली जोगावयके क्रममे हातीक आक्रमणमे मिजारके मृत्यु भेल अछि ।

ुुुुु

सामाजिक सँरचना भँग केने आरोपमे भुटान एक नेपाली देशक भुटानीके गिरफ्तार केलक अछि ।

४० बर्षक प्रेम सिँह गुरुङके जिसस क्राइष्टके चलचित्र देखौने आरॊप लागल अछि । दक्षिण भुटानके सर्पाङ जिल्लाके गुरुङके ३ बर्षक लेल जेलमे राखय गेलेफु अदालत बितल अक्टोबर ६ मे फैसला सुनौने भुटानी सरकारी मुखपत्र क्युन्सेल जनौलक अछि ।

ुुुुु


पाल्पास काठमाण्डौ जारहल रात्रिबस तानसेनके होलाङदीमे काल्हि साँमु दुर्घटना भेलास कम्तीमे ३० गोटे घाइल भेल अछि ।

तानसेनस यात्रु ल काल्हि साँमु ६ बजे ना ३ ख ७४३८ नम्बरक बस बस स्टैण्डस चलला ५ मिनेट बितते दुर्घटना भेल पुलिस बतौलक अछि । एकटा मोडपर बस घुमेबाक क्रममे दुर्घटना भ सडकस ५० मिटर निचा खसल बताओल गेल अछि । बस चालक अत्यधिक मदिरा सेवन केने आ बस तिब्र गतिमे रहलाक कारण ओ दुर्घटना भेल एक गोट घाइल यात्री जानकारी देलक अछि ।

घाइल सबहक तानसेनस्थित मिसन अस्पताल आ लुम्बिनी मेडिकल कलेज प्रभासमे इलाज भरहल जनाओल गेल अछि ।

ुुुु

काँग्रेसक सभापति सुशिल कोइराला महाधिबेशनके निर्वाचन परिणामस पार्टी एकताके सन्देश देने बतबैत बाँटफाँटके बात कक सभापतिके कमजोर नै बनाबय आग्रह केलनि अछि ।

पार्टीक बरिष्ठ नेता शेर बहादुर देउवा पक्षिय नेतासब मत परिणामके देखकय सभापतिके पदाधिकारी आ सदस्यके मनोनयन करय परबाक माँग उठारहल समयमे कोइराला भागबन्डा करयके पक्षमे अपने नै रहल बतौलनि अछि ।

ुुुुु॥

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन