Thursday, October 21, 2010

७३टज्ञछण्ठस एकिकृत नेकपा माओवादीक उपाध्यक्ष डा। बाबुराम भटटराइ जनताके जनादेश बमोजिम माओबादी नेतृत्वमे राष्ट्रिय सरकार गठन होब सकत तखन मात्रे देशके समस्या समाधान होयबाक दाबा केलनि अछि ।

धनगढीमे आइ आयोजित अन्तरकि्रया कार्यक्रममे ओ सामन्तबादी उत्पादन प्रणालीके कारण देशमे निर्यातस आयात बेसी भरहलास देशके अर्थतन्त्रमे असर परिरहल बतौलनि ।

राजनितिक परिबर्तन सँगसँगे देशमे आर्थिक बिकास करय सेहो जरुरी रहल उल्लेख करैत अहिके लेल कृषि पर्यटन जलश्रोतके अधिकतम उपयोग करक चाही पर ओ जोड देलनि ।

राष्ट्रिय स्वाधिनता आ राजनितिक निकास बिषयक ओ अन्तरकृयामे पुर्व अर्थमन्त्री भटटराइ सुगौली सन्धिके कारण राष्ट्रिय स्वाधिनताके मुद्धा ओमुरारहल आ नेपालके बिदेशी उत्पीडन मुेलय परिरहल कहैत ओ सन्धि परिमार्जन करय आबश्यक रहल बतौलनि ।

ुुुु

७३टज्ञछण्ठस नेपालक लेल सँयुक्त राष्ट्रसँघिय राजनितिक मिसन अनमिन प्रमुख करिन ल्यानग्रेन शान्ति प्रकृयाके जल्दी स जल्दी सममुदारीमे पहुँचावय आग्रह केलिह अछि ।

माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहालसँग ओ पार्टीक केन्द्रिय कार्यालय कोटेश्वरके पेरिसडाँडामे आइ भेल भेटवार्तामे ओ एहन आग्रह केलीह अछि ।

लेनग्रेन अनमिनक म्याद आगामी पुस मसान्त भितर सम्पन्न भरहलास ओइ अवधि धरि शान्ति प्रकृयाके कानो ठोस निर्णयमे पहुँचाब दलसब बिच समुमदारी नै हाएत त गम्भीर स्थित आओत कहैत ध्यानाकर्षण करौने माओवादी श्रोत जनौलक अछि । हुनक जिज्ञासाके बाद अध्यक्ष प्रचण्ड दलसब बिच शान्ति प्रकृया सिमित समय भितरे निष्कर्षमे पहुँचाबय परामर्श भरहलास इ प्रकृया जल्दीए गति लेत बिश्वास ब्यक्त केलनि अछि ।

ुुुुु

७३टज्ञछण्ठस धनुषाक जनकपुर नगरपालिका १ मे भाइ युवा क्लबक दोसर साधारण सभास नव पदाधिकारी चयन भेल अछि ।

क्लबक अभ्यक्षमे मो। नौसाद न्ादाफ उपाध्यक्षमे मो। गुफा दर्जी सचिवमे मो। ज्याउदिन नदाफ सह सचिबमे गोबिन्द मँडल आ कोषाध्यक्षमे मो। आसु कवारी सहितक ११ सदस्यीय छथि ।

ुुुु

७३टज्ञछण्ठस माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल आ अनमिन प्रमुख करिन ल्यानग्रेन बिच आइ भेटवार्ता भेल अछि ।

माओवादीक केन्द्रिय कार्यालय पेरिस डाँडामे भेल भेटबार्तामे शान्ति प्रकृया कठिन मोडमे आबिगेल कहैत ल्यानग्रेन आब होवयबला शान्ति प्रकृयाके बाटके बिषयमे माओबादी अध्यक्षसँग उत्सुकता ब्यक्त केने छलथि ।

ुुुुु॥

७३टज्ञछण्ठस बारहम महाधिबेशन सम्पन्न भेल करिब एक महिनाबाद काँग्रेस नयाँ केन्द्रिय कार्य समितिके बैसार याह कातिक १२ गते बैसय लागल अछि ।

आइ पार्टी सभापति सुशिल कोइराला नेतृत्वमे हुनके निवास महाराजगँजमे बैसल नयाँ पदाधिकारी आ पार्टीक बरिष्ठ नेतासब सहभागी रहल बैसारमे शान्ति प्रकृया सँबिधान निर्माण केन्द्रिय समितिक बैसारके बारेमे परामर्श भेल पार्टी केन्द्रिय सदस्य प्रकाश शरण महत जानकारी देलनि । मुदा केन्द्रिय समितिके बैसार बारेमे अन्तिम निर्णय करबाक अधिकार सभापति कोइरालाके देने ओ बतौलनि ।

बैसारमे सँबिधान निर्माण शान्ति प्रकृयामे भरहल अबेर प्रति चिन्ता ब्यक्त काएल गेल अछि । माओबादी शान्ति प्रकृया आ सँबिधान निर्माणप्रति जिम्मेबार ढँगस प्रस्तुत नै भेल कहैत ओइप्रति बैसारमे बिस्तृत परामर्श केने ओ बतौलनि ।

शान्ति प्रकृया सँबिधान निर्माण आ लडाकु समायोजनमे इमान्दार होवय बैसारस माओवादीके आग्रह कायल गेल अछि । पार्टीके नव कार्यसमिति होवयबला मनोनित केन्द्रिय सदस्यके बारेमे सेहो परामर्श भेल बताओल गेल अछि ।

ुुुुु॥

७३टज्ञछण्ठस उदयपुरके त्रियुगा नगरपालिका १ कमर गाछीमे आइ भिन्सर बसक ठोक्करस एक युवकके मृत्यु भेल अछि ।

ना ३ ख ८४३१ नम्बरक यात्रुबाहक बसक ठक्करस घाइल भेल १८ बर्षक सुदिप खडकाके इलाजक लेल धरान लजाति काल बाटेमे मृत्यु भेल प्रहरी नायब उपरिक्षक मनोज यादब बतौलनि । युवकके इलाज आ क्षतिपुर्तिक माँग करैत आक्रोशित मृतकके परिवारजन आ स्थानियबासी साढे ८ बजेस केने यातायात बन्द करिब २ घण्टाबाद सँचालनमे आएल अछि ।

आइ साँमु ५ बजेधरि फरार चालक आ सहचालकके पुलिस नियन्त्रणमे लेबाक सर्तमे यातायात खोलल गेल पुलिस जनौलक अछि । बस पुलिसक नियन्त्रणमे रहल अछि त चालक फरार रहल बताओल गेल अछि ।

ुुुुु





७३टज्ञछण्ठस क्यानाडा सरकार आ क्यानाडा बार एसोसिएशनके निमन्त्रणामे ११ प्रतिनिधिके टोली सहित क्यानाडा पहुँचल सभामुख सुवास चन्द्र नेम्वाङ ओहिठामक बिशिष्ट अधिकारीसबसँग भेटघाट केलनि अछि । सभामुख नेम्वाङ क्यानाडाके सभामुख पिटर मिलिकन सँग भेटबार्ता केलनि अछि । क्यानाडाके सँघीय सँसद भवनमे भेल भेटमे दु देश बिचक सँसदिय मैत्री समुह गठन आपसी हितक बिषयसबमे बातचित केलनि अछि । नेम्वाङ क्यानेडियन समकक्षीके नेपाल भ्रमण करबाक निमन्त्रणा सेहो देलनि अछि ।

ुुुुु॥

७३टज्ञछण्ठस सँबिधानके बिबादित बिषयके निष्कर्षमे पहुँचाबयके कार्यदल सहयोगी समुहक परामर्शमे सहमति जुटय नै सकलाबाद बैसार निष्कर्षबिहिन भेल अछि ।

आइ भिन्सर राज्य ब्यबस्थापिकाके कार्यालय सिँहदरबारमे बैसल बैसारमे माओबादी न्यायपालिकाके ब्याख्या ब्यबस्थापिका अन्तर्गतके बिशेष समिति करय पावयके अडान कायम रखलाबाद सहमति जुटय नै सकल नेमकिपाक नेता सुनिल प्रजापति बतौलनि अछि ।

राज्यके शासकिय स्वरुप निर्धारणमे दलसबबिच सहमति जुटितो निर्वाचन क्षेत्र निर्धारणके आधार जनसँख्या मानल जाय कि भुगोल आ न्याय प्रणाली केहन बनावयके बिषयमे सहमति जुटय नै सकल अछि ।

ुुुुु।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन