Saturday, March 12, 2011

बचावकार्य जारी, अखनधरि 1000 के मृत्यु


एजेन्सी , फागुन २८ । जापानमें आएल भूकंप आ सुनामीस मरयबलाके संख्या एक हज़ारस ऊपर पहुँचल अछि । आइ सेहो जापानमें भूकंपके झटका महसूस कएल जारहल अछि ।
देशके २ टा परमाणु ऊर्जा केंद्र क्षतिग्रस्त भेल अछि आ अहिके कारण हज़ारों गोटेके सुरक्षित स्थान प पठाओलगेल अछि । जापान मे भेल अहि भुकम्पक क्षतिके अनुमान केनाई बहुत मुश्किल अछि । करिब १०० गोटे चढल एकटा जहाज़ सेहो सुनामीमे दहागेल अछि जकर अखनधरि पता लागय नै सकल अछि । अहिना ४ टा रेल सेहो हेरागेल अछि । सब स बेसी तबाही सेंदाईमें भेल अछि जतय अखनधरि 300 गोटे डूबिगेल अछि आ सैंकड़ो बेपता अछि ।
फ़ुकुशीमा दायची परमाणु प्लांटके किछ तकनीकी ख़राबीके कारण बंद काएलगेल अछि आ ओतय रहय वला करिब २ हज़ार गोटेके ओहिठामस हटयके लेल कहलगेल अछि त मियागीके परमाणु प्लांटमे भयानक आगि लागल अछि । जापान सरकार एकटा परमाणु प्लांट लग आपातकाल घोषित केलक अछि कियाक त ओहिके ठंडा राखयबला यंत्र काज केनाइ छोरि देने अछि । ओहिके आसपास रहयबला हज़ारों गोटेके घर खाली करवाओल गेल अछि ।
जापान सरकार जापानी सीमा लग रहल अमरीकी सेना स राहत कार्यमे सहयोग करय आग्रह केलक अछि । अखनधरि १ हजार गोटेके मृत्यु भ चुकल अछि त बचाब कार्य जारी अछि । वैज्ञानिकके कहब अछि जे इ जापानके इतिहासमें सबस बड़का भूकंप छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन