Tuesday, March 01, 2011

गोधरा कांड: 11 के मृत्यु, 20 के उम्र क़ैद

भारत, फागुन १७, गोधरा कांडमें अहमदाबादके विशेष अदालत दोषी ठहरौने 31 गोटे मेसँ 11 गोटेके मृत्युके सज़ाय आ 20 गोटेके आजीवन कारावासक सज़ाय सुनौलक अछि ।
बचाव पक्षके वकील आईएम मुंशी अई फ़ैसलाके असाधारण मानैत कहलनि जे अहिके स्वीकार करय मुश्किल अछि ।
एम्हर, सरकारी वकील जेएम पांचल फ़ैसलाके सही बतबैत कहलनि जे अदालतके फ़ैसला हमरा स्वीकार अछि ।
विशेष अदालत 22 फ़रवरीके 94 गोटे मेस 31 गोटेके दोषी ठहरौलक आ ६३ गोटेके सबूतोंके अभावमें रिहा केलक अछि ।
अहिस पहिने विशेष अदालत गोधरा रेल कांडके साज़िश बतौने छल ।
ज्ञातब्य जे अदालत ई फ़ैसला 27 फ़रवरी 2002 के साबरमती एक्सप्रेसके एकटा डिब्बामें लगाओलगेल आगिके लेल गिरफ़्तार भेलसब उपर सजाय सुनौलक अछि ।
ओ आगिलगिमे परि ५९ गोटेके मृत्यु भेल छल । साबरमती एक्सप्रेसके एस-६ नम्बरक डिब्बामे करिब एक हज़ार गोटेके भीड़ हमला केने छल जाहिके बाद गुजरातमें भारी सांप्रदायिक दंगा सेहो भेल छल ।
राज्यके मुख्यमंत्री नरेंद्र मोदी सेहो अहिके पूर्व-नियोजित घटना बतौलनि अछि ।
अहि मामलेके सुनवाई जून, 2009 में शुरू भेल छल । एकर आरोपी मेस 80 गोटे जेलमे अछि आ 14 गोटे धरौटीमे बाहर अछि । अहि सबके उपर आपराधिक षड्यंत्र आ हत्याके मामला दर्ज अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन