Friday, March 04, 2011

जिम्बाबे आ बँगलादेश हारल

जनकपुर, फागुन २० । I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत भारतक अहमदाबादमे सम्पन्न भेल खेलमे जिम्बाबेके न्युजिलैण्ड १० बिकेटसँ हरओलक अछि।टिस जित कऽ पहिने बैटिङ करैत जिम्बाबे ४६ ओभर २ बलमे सम्पूरण बिकेटके क्षतिपर १ सय ६२ रनक लक्ष्य न्युजिलैण्ड समक्ष प्रस्तुत केलक अछि ।
१ सय ६३ रनक लक्ष्य लऽ मैदानमे उतरल न्युजिलैण्ड टिम ३३ ओभर ३ बल खेलैत बिना बिकेटके क्षतिपर मैच जितलक अछि।
न्युजिलैण्ड दिससँ बैटिङ करैत गुपटिल ८६ आ मैक्कुलम ७६ रनक योगदान देलन्हि अछि।
तहिना , आजुक दोसर खेल

I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत मिरपुरमे सम्पन्न भेल बँगलादेशके weast indies ९ बिकेटसँ हरओलक अछि।पहिने टस जित बैटिङ कएने बगंलादेश सम्पूर्ण बिकेटके क्षतिपर ५८ रन मात्र बनओने छल।५९ रनक लक्ष्य लऽ मैदानमे उतरल weast indies १२ ओभर २ बल खेलैत १ बिकेटके नोक्सानपर मैच जितलक अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन