Wednesday, April 06, 2011

संसद अवरुद्ध करयके छोट दलक चेतावनी


काठमाडौं, चैत २३ । एक स्वतन्त्र सहित दु छोट दलक सभासद नयाँ संविधानसभा अल्पसंख्यक मुस्लिम दलित आ जनजातिके अधिकार सुनिश्चित नहि हाएत त व्यवस्थापिका संसद अवरुद्ध करबाक चेतावनी देलक अछि ।
 नयाँ संविधानमे अपनासभके अधिकार सुनिश्चित नहि भेल कहैत संवैधानिक समितिके बैसार अवरुद्ध करैत आएल दलित जनजाति पार्टीक विश्वेन्द्र पासवान, संघीय लोकतान्त्रिक मंचके रुकमणि चौधरी आ स्वतन्त्र सभासद सदरुल मियाँहक आब प्रमुख तीन दलक नेतासभसँग भेट क माँग संवोधन करयके लिखित प्रतिबद्धता माँग केलनि अछि । संवैधानिक समिति सभापति निलाम्बर आचार्यके पहलमे तीन दलक नेतासभसहित भेल बिमर्शमे सभाससभ माँग संवोधन नहि हाएत त संसद अवरुद्धधरिके आन्दोलनमे जाएब बतौलनि । 
अहिस आगु अपनासभहक माँग संवोधन नहि कएलगेल कहैत सभासद पासवान आ मियाँ अपने बैसल कुर्सि फेकने छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन