Tuesday, July 19, 2011

जेल तोडि क भागल पक्राउ

लहान, श्रावण ३ । ४ वर्ष आगु सिरहा जेल तोडि क भागल फरार अभियुक्तके पुलिस आइ सिरहाके धनगढी बजारसँ गिरफ्तार केलक अछि ।

जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिरहाक एसपी विकास श्रेष्ठक अनुसार सिरहा धनगढी-७ के ललिया रामके गिरफ्तार कयलगेल अछि । ललिया हातहतियार तथा खरखजाना ऐन अन्तर्गत सिरहा जेलमे छल । सुराकीके आधारमे गिरफ्तार करय सफल भेल सिरहाक एसपी विकास श्रेष्ठ जानकारी देलनि । २०६५ साउन २९ गते सिरहा जेल तोडि क  ५२ कैदी भागल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन