Tuesday, July 19, 2011

मजदुरसबद्धारा उद्योग बन्दसहितक आन्दोलनके घोषणा

३ साउन, काठमाडौं ।
विभिन्न १० टा मजदुर संगठन राजपत्रमे प्रकाशित न्युनतम पारिश्रमिक तथा भत्ताके माँग करैत उद्योग प्रतिष्ठानसब अनिश्चितकालक लेल बन्द करयके कार्यक्रमसब  सार्वजनिक केलक अछि ।

माओवादी मजदुरके बद्री बजगाई आ लालध्वज नेम्वाङ् समूह, मधेशी टे्रड युनियन फोरम, नेपाल समावेशी टे्रड युनियन सहितक १० टा मजदूर समूह आन्दोलनके घोषणा केलक अछि ।

घोषित कार्यक्रममे साउन ५ गते उद्योग प्रतिष्ठानमे कारी झण्डा राखि हातमे कारी पट्टी बान्हयके, ६ गते प्रतिषठानक गेटमे सभा करयके, १० गते उद्योग वाणिज्य संघक कार्यालयसबमे १ बजेस २ बजेधरि १ घण्टा धर्ना देबयके आ ११ गते अपने कार्यरत प्रतिष्ठानमे धर्ना देबय सहितक रहल अछि । अहिना, ओसब साउन १५ गतेसँ अनिश्चितकालीन उद्योग प्रतिष्ठान बन्द करयके घोषणा केलक अछि ।

१० टा मजदूर समूह टे्रड युनियन, नेपाल उद्योग विणज्य महासंघ, नेपाल उद्योग परिसंघक प्रतिनिधि समेतके उपस्थितिमे न्युनतम वेतन निर्धारण करयके अधिकार श्रम तथा यातायात व्यवस्था मन्त्रालयके देबयके सहमतिके बाद सरकार राजपत्रमे प्रकाशित न्युनतम पारिश्रमिक तथा भत्ता नहि देबय आ नहि दियाबअ उद्योग वाणिज्य महासंघ केने परिपत्रके विरोध केने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन