Tuesday, July 19, 2011

संसदीय दलक नेता परिवर्तन करयके माओवादीक सचिव सीपी गजुरेल दावी

३ साउन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक सचिव सीपी गजुरेल जारी केन्द्रीय समितिक बैसारसँ संसदीय दलक नेता परिवर्तन करयके दावी कयलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे सचिव गजुरेल अध्यक्ष बाहेकके ६ गोटे पदाधिकारीसँ संसदीय दलक नेता बनत बतौलनि ।

उपाध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टराईके सम्भावना प्रवल रहल कहैत ओ दलक नेता  प्रधानमन्त्री बनत स्पष्ट कयलनि । जारी केन्द्रीय समिति बैसारक मुख्य एजेण्डा  कार्यविभाजन भेल उल्लेख करैत गजुरेल बैसारसँ सरकार आ संसदके जिम्मेवारी पुरा केलाबादे बाँकी नेतासबके लेल संगठन, अन्तर्राष्ट्रिय आ लडाकूके जिम्मेवारी देल जाएत बतौलनि ।

अखन पार्टीभितर सब जिम्मेवारी अध्यक्षमे मात्रे निहीत रहलास निर्णयसब कार्यान्वयन होबय नहि सकल कहैत ओ मुख्य नेतासबके उचित जिम्मेवारी देल जाएत दावी केलनि ।

माओवादी आ एमालेबीच भेल सातबुँदे सहमतिमे फेराफेरी करयके उल्लेख रहल कहैत ओ भादव १४ गतेबाद प्रधानमन्त्री राजीनामा देत स्पष्ट केलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन